हुकिङ्ग क’क’ बिधुत उपयोग करैत लोक,सचेतनाक अभावमे

२०७७ मंसिर २१, आईतवार ०३:२८
सीमाञ्चल समदिया

  • 18
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम नेपाल बिधुत प्राधिकरण समय-समय पर अनुगमन एवं पकरलगेला पर दण्डित समेत करब काज करैत आएल छै, तथापि लोकमे सचेतना नइ आइब रहल प्रतित महोत्तरीमे हुँगिङ्ग क’क’ बिधुत उपभोग करब देखलास’ होइत छै ।

बिधुत अन्हार घरके प्रकाशित करैत छै ततै कनेको लापरवाही घर-परिवार आ समाज समेतधैरके जीनगी लाहेब कदैत छै । अइ बातके बिसरक नइ जाय चाही ! मुदा लोक मंगनिए बिजली बौल बारब, पंखा कूलर आदि आधुनिक घरेलु उपरण चलाक सुखानुभूति करब लेल तयार रहैत छै । मीटर नइ लगबाक ओहिना बिजली उपयोग करैत बहुतो गामसभमे देखल जासकैए ।

‘‘ कि करतै आब लोक अन्हारमे त’ रहतै नइ ! जे केओ मीटर लगाबहु चाहैत छै बिधुत कार्यालय दौगत दौगैत फिरसान भ’क’ हिया हाइरक छोइरक घर घुइर आबैत छै । ततेक कर्मचारीसभ ई रे ऊ रै कहैत हरान करबाबैत छै । ओहि बहन्ने केओ किछु टाका ददेलक ओकर जल्दी काज भगेल आब समान्य गरीब लोक हजार दू हजार घुस नइ द’सकैए ।

एहनमे लोक बलजप्ती बंशी बझाक बिधुत उपभोग करमे बाध्य होइत छै । चेकचाक आएल त’ हटा लेलक । केओ पकराक गेल त’ किछु द’ल’क छुटल । ’’ हुकिङ्ग क’क’ बिधुत उपयोगकर्ता किछुगोटेस’ गप्प कएला पर बतौलक ! तेहन अवस्था छै ।

सोझे बिजलीके खम्हास’ तानल तारस’ अपन अपन घरमे तार ताइनक बिधुत उपयोग करब कतेक खरनाक छै अइबातस’ बेसुत बेसी देखल गेल । अइके लेल सम्बन्धित सभकेँ चेतनशीलता हेतु नेपाल बिधुत प्राधिकरणके नीयमीत अनुगमन करैत रहक चाही । चेतना मूलक काज कराओल जाय चाही । मीटर जड़ानमे सुलभता देल जाए चाही ।

अइ समाचार संगे संलग्न चित्र महोत्तरीकेँ बलवा नगरपालिका अन्तर्गत गोनरपुरा गाम लग सटले एकटा टोलके छै । जतह हुकिङ्ग क’क’ बहुतो लोक अपन-अपन घरमे बिधुत उपयोग करैत आएल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
युरोपके प्रवेशव्दारपर दलकीःसिरियाके हाल सेहो बेहाल
२०७९ माघ २६, बिहीबार १५:०९
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया
बलिप्रथा उन्मूलन पर जनकपुरधाममे बृहत् अन्तरकृया
२०७९ आश्विन १५, शनिबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal.com
मिथिला चित्रकलाको विशेषता
२०७९ भाद्र ३०, बिहीबार २३:५९
सीमाञ्चल समदिया