हरिपूर्वामे नेकपाव्दारा ऐगलेशा जुलुश प्रदर्शन

२०७७ कार्तिक २०, बिहीबार १४:१३
सीमाञ्चल समदिया

  • 14
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । प्रदेश-२के सर्लाही जिलाके हरिपूर्वा नगरपालिका अन्तर्गत अनियमीतता आ भ्रष्टाचारके आरोप लगबैत नेपालकम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा)के कार्यकर्तासभद्वारा आइग लेशक बिरोध प्रदर्शन शुरु कएलगेल छै ।आइ अखनु बृहस्पति दिन साँझमे सात बजेके ओनपोनमे हातमे एक ल’क’ नगरक्षेत्रमे बिरोध प्रदर्शन कएल गेल छै ।

नगरपालिकामे कृषि, शिक्षा, कोरोना भायरस एवं विकास निर्माण सहितके विभिन्न शिर्षकमे रकम घोटाला करब काज नपामे भेल छै । बिगत तीन वर्षस’ विकास निर्माण आदि सहितके खर्च रकम पारदर्शी करब हेतु मांग करैत आएल छी मुदा मेयर कानबात नइ दैए । नगर राजनीतिक सयन्त्रके संयोजक बिकाउ यादव बतौने छैथ । हुनक कहब अनुसार नपामे अत्याधिक भ्रष्टाचार आ अनियमितता भेल छै, तहिस’ हमसभ पूर्व घोषित कार्यक्रम अनुसार आइ मशाल जुलुस प्रदर्शन कएने छी, बतौने छैथ ।

ततै हरिपूर्वा नपाके मेयर सीयाराम राय नपा पर लगाओल गेल आरोप सरासर गलत छै । राजनीतिक प्रतिशोधके कारण हमरा बदनाम करब लेल एहन प्रपञ्च रचल गेल छै । कहैत आर्थिक वर्ष २०७४/०७५ एवं ०७६ धैर सम्पूर्ण आय व्यय विवरण सहितके लेखाजोखा सार्वजनिक सुनुवाई मादे सार्वजनिक कए चुकल छी । जाहि कार्यक्रममे आन्दोलन आ बिरोधकर्ता नेकपाके स्थानीय, जिलास्तर धैरके नेता कार्यकर्तासभ सेहो सामेल छल । मेयर राय दाबी कएलाह ।

आन्दोलनकर्ता नेकपा कार्यकर्तासभ हरिपूर्वा नगरपालिका वडा नं. १ स्थित नवका बजारस’ आइगलेशा जुलुस बहार कएलक । जुलुश नगर परिक्रमा करैत पुराना बजारमे कोणसभामे परिणत भेल छल ।नेकपा हरिपूर्वा नगर कमिटिद्वारा आजुका बिरोद्ध प्रदर्शन आयोजन कएल गेल छल । शुक्रदिन नपामे तालाबन्दी करब कार्यक्रम रहल जनतब भेटल अइ ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
युरोपके प्रवेशव्दारपर दलकीःसिरियाके हाल सेहो बेहाल
२०७९ माघ २६, बिहीबार १५:०९
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सम्वेदनशीलता दिश धनुषा जिला
२०७९ माघ २४, मंगलवार १८:१२
सीमाञ्चल समदिया
४ दिनस’ हरोर मचबैत आएल बाघ सीमापार धराएल
२०७९ पुष २८, बिहीबार १७:४६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सप्तरी क्षेत्र नं.-२मे डा.राउतप्रति जनमत, यादव पछुआएल
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १४:०३
सीमाञ्चल समदिया
पश्चिम नेपालमे फेर दलकी आएल
२०७९ कार्तिक २६, शनिबार २३:११
सीमाञ्चल समदिया