हत्याआरोपमे सनायल संसद महतो पर कार्यवाही हेतु गृह कटलक पत्र

२०७९ माघ ६, शुक्रबार २२:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 37
    Shares

जनकपुरधाम । जननिर्वाचित संघीय संसदके पकैरक कार्यवाही कएल जाए वास्ते सुरक्षा निकायके गृहमन्त्री लीखित रुपमे कड़ा निर्देशन देलाह ।

 

एहेसाल बितल अगहन ४ गते भेल आम निर्वाचनमे महोत्तरी जिलास’ प्रतिनिधिसभा सदस्यमे विजयी भेल संघीय संसद लक्ष्मी महतो कोइरीके पकैरक कानुन सममत कार्यवाही कएल जाए ओहन पत्र गृह मन्त्रालय निर्गत कएने छै ।

 

“प्रेमबहादुर बिकके आवेदन अनुसार वादी नेपाल सरकार प्रतिवादी लक्ष्मी महतो समेतके व्यक्ति पर कर्तव्य ज्यान मुद्दामे तारेख गुजैरगेला पछाइत प्रतिवादी भाइग गेल छै । तिनका पकैरक कार्यवाही कएल जाए ” गृह मन्त्रालयके पत्रमे कहल गेल छै ।

 

गृहमन्त्रालयके प्रवक्ता सहसचिव फणिन्द्रमणि नेपाल हस्ते आइ शुक्र दिन जारी पत्रमे आगु कहलगेल छै—“महोत्तरी जिला साविक निगौल गाविस वार्ड नं.५के वर्तमान गौशाला नगर पालिका वार्ड नं.२ निवासी लक्ष्मी महतो कोइरीके कानुन बमोजिम पकैरक कार्यवाही कएल जाए, लेल उपप्रधान एवं गृहमन्त्री बेरबेर प्रहरीके मौखिक निर्देशन दैत रहलाहा ।

 

तथापि हालधैर पकरल नइ गेल छै । जाहिप्रति गृहमन्त्रालयके गम्भीर रुपस’ ध्यानाकषणर् भेल छै । प्रतिवादी महतोकेँ पकैरक कानुन व्यवस्था अनुसार तत्काल कार्यवाही आगा बढाओल जाए !” एहन षियक पत्र प्रहरी प्रधान कार्यालयके पठाओल गेल जनतब भेटल अइ ।

 

मन्त्रालयस’ निर्गत पत्रमे चलानी मिति उल्लेख नइ छै । महोत्तरी क्षेत्र नं.१स’ संघीय संसदमे हत्याक आरोपी एवं नेकपा एमालेस’ सम्बध्द महतो निर्वाचित भेल छैथ ।

 

निर्वाचनमे अपन उत्तराधिकारी मादे निर्वाचीत भेल प्रमाण पत्र प्राप्त कएने छलैथ । मधेश आन्दोलनबेरके हत्या आरोपमे ओहो सनाएल छैथ ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया