सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । ‘‘स्वास्थके लेल खेलकूद, राष्ट्रके लेल खेलकूद’’ अइ नाराके संग महोत्तरी जिलाके बर्दिवास नगरपालिकाक्षेत्रमे क्रिकेट प्रतियोगिता कएलगेल छै ।
‘बर्दिवास टि-२० क्रिकेट प्रतियोगिता’ नामस’ प्रतिस्पर्धात्मक खेल आयोजन भेल । क्रिकेट खेल अन्तर्गत बृहस्पति दिन बिजलपुरा क्रिकेट क्लव भेडियारी टोल एवं चौलिखा क्रिकेट क्लवबीचके प्रतिस्पर्धात्मक खेल सम्मपन भेल ।
समाज सुधारक सञ्चारकर्मी फाल्गुन मगरके सत्य प्रयासस’ खेल आयोजन भेल । अइक्षेत्रमे बहुत राश प्रतिभास’ भरल क्षमतावान खेलाड़ी सभ छै । मात्र अवसरस’ बच्छित छै । से तर्क दैत तीनतहके सरकार खेलप्रति ,खेलाड़ी प्रति लगानी करे , खेलाड़ीके प्रोत्साहित करे तकर दरकार छै । समाज सुधारक मगर संक्षेपमे अपन बात राखैत कहला ।
दूनु समूहबीचके प्रतिस्पर्धामे चौलिखा क्रिकेट टीम विजयी प्राप्त कएलक । चौलिखा टीमेक खेलाड़ी राजु साह म्यान अफ दि म्याच घोषित भेल छै । आयोजनकर्ता दिसस’ युवा सञ्चारकर्मी मगर आन खिलाड़ी सहित जीतल टीमके म्यान अफ दी म्याचके उपाधिधारक साहकेँ ट्राफी तगमा प्रदान कएलाह ।
प्रतिक्रिया