जनकपुरधाम । ‘जनकपुरधाम सुन-चान्दी व्यवसायी संघ’मे नवपदाधिकारीके आगमन एवं निवर्तमानके विदाह कएलगेल छै । संघद्वारा आयोजित एकटा विशेष समारोहमे नवनिर्वाचित अध्यक्ष पवन ठाकुर सहितके निर्वाचन अधिकृत ललितकुमार साह पथ तथा गोपनियताके सपथ ग्रहण कराक रविदिन रातिमे पदभार ग्रहण करबौलाह । ततहि निवर्तमान भेल अध्यक्ष अमरनाथ गुप्ताकँे ससम्मान विदाह कएलगेल छै ।
गुप्ता २९७३ सालस’ २०७९ आश्विन-१६ गतेधैर अध्यक्ष पदमे पदासिन रहलाह । ओ अपन कार्यअवधिमे संघके सबैला, यदुकूहा सहित तिन स्थानमे शाखा कार्यालय स्थापना कराबमे सफल रहलाह ।
स्वर्ण ब्यवसायीसभकेँ हकहित लेल सदैब ततपर रहलाह । गुप्ताके कार्य योगदान हेतु हुनका विशेष आकार एवं प्रकारके सम्मान-पत्र सहित प्रदान कए पदाधिकारीसभ सम्मानीत करैत विदाह कएलाह ।
आगामी दिनमे सोन चनीके व्यापार व्यवसाय करएबाला सभके हकहितके मात्रे नइ सभप्रकारके सुरक्षा लेल, हम बारहो महिना तीनसय पैसोठो दिन तयार रहब । अपन धारना राखैत संघके भलाई जाहिमे होएत ओहेमे हम अपनो भल देखब सपथग्रहण पछाइत अपन धारणा राखैत नवनिर्वाचित अध्यक्ष पवन ठाकुर बजलाह ।
मधेश प्रदेशके प्रदेश प्रमुख हरिशंकर मिश्रके प्रमुख आतिथ्यमे एवं अमरनाथ गुप्ताके सभापतित्वमे ‘सपथग्रहण एवं पदस्थापन समारोह भेल । जाहिमे प्रदेश संसद परमेश्वर साह, रामआशिष यादव, पूर्वमेयर बजरंगप्रसाद साह,वर्तमान उपमेयर किशोरी साह, जउबासंघके अध्यक्ष जितेन्द्र महासेठ सहितक नगरके गणमान्य व्यक्ति, व्यक्तित्वसभ सामेल छलाह ।
संघके महासचिव सञ्जय प्रसाद साहव्दारा सञ्चालित कार्यक्रममे कार्यक्रम बेस झमटगर देखनहुत एवं प्रशंसनीय रहल । जनकपुर सुनचान्दी व्यवसायी संघके नवनिर्वाचित पदाधिकारीसभमे अध्यक्ष पवन ठाकुर, उपाध्यक्ष राजीवकुमार साह चन्दन, महासचिव सञ्जय प्रसाद साह, सचिव बलराम साह, कोषाध्यक्ष सञ्जय कुमार साह, प्रमुख नेतृत्वकर्तासभमे सामेल छैथ ।
प्रतिक्रिया