सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधामवासीसभके लेल स्वच्छ जलआपूर्ति,प्रदुषित जलके निकास सहजतासंग होए ताहि हेतु जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका एकटा डेग आगु बढौलक अइ ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका एवं एकीकृत खानेपानी ढल व्यवस्थापन आयोजनाबिच तत् सम्बन्धमे रविदिन बेरियामे दूनुपक्षबीच गम्भिर छलफल भेल जनतब भेटल ।
जनकपुरधाम उपमहानपा क्षेत्रभितर ढल-पाइपलाईनके व्यवस्थापन, पीयबाला पानी, फोहर-प्रदुषित पानिकेँ निकास व्यवस्थापन दीर्घकालधैर लेल कोना कएल जाए ओहि विषय पर छलफल मूलतः केन्द्रित छल ।
तत्कालीक उपाय पर सेहो दुनुपक्षबीचमे सहमतीय छलफल भेल बुझएमे आएल । संगेसंग ठोसरुपस’ नगरके फोहर व्यवस्थापन कोना आ कोन तरहें कएल जाए ताहु विषय पर गम्भिर छलफल भेल जेकर साकारात्मक परिणाम शिघ्र लोककेँ देखमे आओत ओहन भरोस कएल जासकैए ।
छलफलमे जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाके प्रमुख मनोजकुमार साह, उपप्रमुख किशोरी साह, प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत प्रद्युमन प्रसाद उपाध्याय सहित नपाके अग्रपंक्तिके कर्मचारी एवं आयोजनाके उच्च्पदस्त कर्मचारीसभ सामेल छलाह । नगरप्रमुख साहके स्वकीय सचिव राजनकुमार सिंह बतौलक ।
प्रतिक्रिया