सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । स्थानीय सरकार सञ्चालन सम्बन्धि ऐन संशोधन हेतु सामूहिक दस्ताबेजीकरण लेल प्रदेशस्तरीय प्रतिनिधी मूलक छलफल कएलगेल । छलफल कार्यमे प्रदेश दू अन्तर्गतके विभिन्न नगरपालिकाके जनप्रतिनिधि स्थानीयसरकार प्रमुख, मेयर सहभागिता जनौलाह ।
जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका प्रमुख लालकिशोर साहकेँ प्रमुख आतिथ्यमे कार्यक्रम भेल से जनतब गौरस’ पत्रकार महासंघकेँ पूर्वअध्यक्ष प्रेमचन्द्र झा सीमाञ्चल समदियाकेँ देलाह । ‘‘ स्थानीय सरकार सञ्चालनमे बहुत राश चुनौतीके सामना कर’ पैर रहल छै । स्थायी सत्ता एवं अस्थायी सत्ताबीच आपसी तालमेल आ सामजस्यता बेसी अभाव रहने काज करबमे बेसी अबरोध आबैत छै ।’’
अपन कार्यअनुभव सुनबैत मेयर साह-‘‘संघीय सरकार प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत नइ पठबैत छै । जे पठौलक ओ पुरा कार्यकालधैर नइ रहि पाबैत छै । अइस’ सार्वाधिक काज बिगरैत छै, प्रभावित होइत छै । मुदा दोष सभ स्थानीय सरकार प्रमुखके माथ पर थोपाइत जाइत छै । ’’ पीड़ा-व्यथा सुनौलाह ।
स्थानिय सरकार जनतासंगे हातमे हात मिलाक काम कए रहल छै । तथापि चित नइ बुझला पर गल्तिसब स्थानिय सरकारकेँ माथ पर थोपाइत छै । जखन की वास्तविक गल्ती कर्मचारी करैत छै । सरकार संचालन ऐन संशोधन करबस’ बेसी कर्मचारी तन्त्रकेँ नियत संशोधन करब जरुरी छै । सेहो अनुभव मेयर साह सुनौलाह ।
धनुषा जिलाकेँ उदाहरण दैत-‘‘धनुषाके १८ मध्ये १० टा स्थानियतह कोष तथा लेखा नियन्त्रण कार्यालयके हातमे बन्हकी पड़ल रहैत छै । रकम दिअबाला स्थानीय निकायकेँ काज भेल । रकम नइ दिअबालाकेँ काज लटकल रहैछै । घुस नइ देलक ओ स्थानियतह बन्धकमे पड़ल रहैत छै । जनकपुरधाम उपमहानपाकेँ मेयर साह अपन धारना राखैत सेहो आरोप लगौलाह ।
‘‘ हिमाल पहाड आ मधेश तीनु ठामकेँ जनताके मीलक देश बनाब पड़तै तखने ई देश बनबाला छै । एहन मानसिक्ताकेँ हरेक नेपालीकेँ मोन मष्तिस्कमे जाबतधैर नइ बैसाओल जाएत ताबत धैर देश नीयम नीतिसंगत रुपमे नइ चलत । बस एक दोसरकेँ आँगूर देखाबके काज होएत ।’’ सेहो धारना मेयर साह रखलाह ।
छलफल कार्यक्रमकेँ विशिष्ट अतिथि संघिय मामिला तथा समान्य प्रशासन मन्त्रालयके सह-सचिव विष्णुदत गौतम, स्थानियतह संरचना आयोगके पुर्वसदस्य अधिवक्ता सुनिलरन्जन सिंह ,स्थानीय शासन विज्ञ विके महर्जन सहितक सहभागी छल ।
विज्ञसभ शिक्षा , स्वास्थ्य , वन आदिके लेल अन्तरमन्त्रालय समन्वयात्मक बैसार, नगरप्रमुख, नगरउपप्रमुख आ नगरप्रमुख एवं प्रमुख प्रशासकिय अधिकृत बिचके अधिकारक्षेत्रमे देखलगेल अस्पष्टता आ वार्ड अध्यक्ष सिफारिस नइ कएलक तेहना अवस्थामे कि करब ओहन बातके संशोधनके जरुरी रहल विचार राखने छलाह ।
नेपाल नगरपालिका संघके कार्यकारी प्रमुख कलानिधि देवकोटाले स्थानिय सरकार संचालन ऐन संसोधनके आवश्यकता बेसी छै, ताहि पर केन्द्रि भ’क’ बात रखलाह ।
संघिय मामिला तथा समान्य प्रशासन मन्त्रालयके समन्वयमे नेपाल नगरपालिका संघद्वारा कार्यक्रम आयोजन कएल गेल छल । बारा जिलाके पचरौता नगरपालिकाके नगरप्रमुख तथा नगर पालिका संघके सदस्य रमेशकुमार यादवके अध्यक्षतामे शुक्र दिन कार्यक्रम भेल । स्थानीय सरकार सञ्चालन ऐनमे संशोधन हेतु मुख्यतः १० बुन्दे प्रस्ताव प्रस्तुत कएलगेल छल ।
प्रतिक्रिया