सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । प्रदेश ५ अन्तर्गत पछिम नेपालके कपिलवस्तु जिलामे प्रदेशके राजधानी राखल जाय लेल सड़क पर आइग धधकाबके काज शुरु भगेल छै । ओतुका प्रदेश सरकार प्रदेशके स्थायी राजधानी दाङ जिलाके भालुबाङमे हस्तान्त्रण करब प्रस्ताव कएला पर सड़क पर आइग लेशाएल छै ।
प्रदेश नं.५के सरकार राजधानी सम्बन्धमे जहिना प्रस्ताव प्रदेशसभके बैसारमे प्रस्तुत कएलक ; तहिना बाहर बहादुरगंजमे जनताके बिरोध प्रदर्शन शुरु कदेलक। बिरोधमे सरकारबिरोधी नारा लगबैत आइग लेशक बाट अबरुद्ध करब काज कएलक ।
प्रदेशके राजधानी हस्तान्त्रण करब प्रस्तावकेँ बिरोधमे उठाओल जारहल स्वरके दबाब लेल जिलाके बिभिन्न स्थानमे प्रहरी खटाओल गेल छै ततै बहादुरगंजमे अत्याधिक संख्यामे प्रहरी तैनात कएलगेल छै । तथापि बहादुरगंजमे प्रदर्शनकारीसभ सरकार बिरुद्ध नाराबाजी करैत ठाम-ठाम टायर लेशक प्रर्दशन करहल छै । परस्थिती अनियन्त्रित भरहल जनतब भेटल ।
कपिलवस्तु जिलाके ठामठाममे प्रदेशके राजधानी बदली करब प्रदेश सरकारके निर्णयके बिरोधमे जनप्रदर्शन कएल जारहल छै । प्रदर्शनकारी सभके बस एक्कैटा मांगछै प्रदेश ५के राजधानी कपिलवस्तु जिलाके सदरमुकाम कपिलबस्तु हुअ चाही । ततै अखनु नेकपामे सन्हियाए पहुलका माओवादी नेतासभ भालुबाङके प्षमे अड़ान रखने छै ।
द्वन्दकालमे दाङके भालुबाङमे पैघ आक्रमण माओवादीसभ कएने छल । अपन ओ वीरगाथाके इतिहासिकताकेँ दर्जा दैत ओतुका लोककेँ बोल सरोस देने अनुसार स्थायी राजधानी भालुबाङमे कायम कराबमे लागल छै । जाहिमे पूर्वमाओवादी नेतासभके बेसी चलखेलस’ द्वन्दके नवद्वार खुजल बात बताओल गेल छै ।
चित्रश्रोतः निगरानी टुडे
प्रतिक्रिया