सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका एवं नगरक्षेत्रके पत्रकार एवं पत्रकारिताक्षेत्रके उत्थान हेतु नगरपालिका अग्रसर रहत ।
जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाके प्रमुख मनोजकुमार साह एहि बातके भरोस दियौलाह । मङ्गलदिन भिन्सर योग दिवसके कार्यक्रम समापन पछाइत अग्रज पत्रकार अशोक रौनियारके अगुवाईमे सञ्चारकर्मीसभकेँ पचिस सदस्यीय समूह भेंटघाट कएलक ।
भेंटघाटमे पत्रकार एवं पत्रकारिताक्षेत्रके अवस्था पर उपमहानगर पालिका नीतिगत व्यवस्था क’क’ सोकजगर प्रयास करए । जाहिस’ पत्रकार एवं पत्रिकाके यावत् समस्यास’ निकास भेट सकैए ।
ओहि पर प्रमुख साह हमर साकारात्मक पहल रहत एवं नीतिगत व्यवस्था करब ओ प्रतिबद्धता ब्यक्त कएलाह । ‘स्थानीय सरकार, पत्रकार, संचार माध्यम एवं चुनौती’ विषयमे आपसी विमर्श भेल ।
कार्यक्रममे विकास निर्माण कार्यके सन्दर्भमे सेहो प्रमुख साह नगरक्षेत्रमे फूटफाथ ब्यवस्थापन, स्वास्थ्य व्यवस्था, सरसफाई एवं फोहर व्यवस्थापनक्षेत्रमे काज करहल छी । मुदा ढोल नइ पीट चाहैत छी । काज कलेब त’सभकेँ आगु आपरुप सबकिछु सामने आओत ! बतौलाह ।
ट्राफिक व्यवस्थापन नगरमे उत्तम होएत । मालजालके सड़क पर घुमैत पाओल गेला पर ओहिके पकैरक राखल जाएत । ट्राफिक ब्यवस्थामे ई बाधा रहल छै । ताहि हेतु गौशालाके निर्माण कएल जाएत । ओहिकाज हेतु जग्गहके ब्यवस्थापन भचुकल छै । सेहो बात प्रमुख साह व्यक्त कहलाह ।
प्रमुख साहसंगेके समन्वयात्मक विमर्श कार्यक्रममे अगुवाईकर्ता अग्रज पत्रकार अशोक रौनियार, समन्वयकर्ता सीमाञ्चल प्रकाशक/सम्पादक उपेन्द्रभगत नागवंशी, शैलेन्द्र झा, जागरण प्रकाशन समूहके अगुवा पत्रकार एवं जनकपुरधाम वार्ड २३के वार्ड अध्यक्ष राघबेन्द्रप्रसाद साह, अग्रज पत्रकार बिष्णुमणि खनाल, नेपाल पत्रकार महासंघके उपाध्यक्ष अवधेश कामत, सचिव बटुकनाथ झा सहितके सहभागिता छल ।
तहिना पत्रकार अजुणर् क्षेत्री, कमल साह,प्रबिण साह, अजय साह, ललन साह, पुरण साह रौनियार, धबेन्द्र झा, निरञ्जन साह, राजनसिंह, प्रभास कणर्, अभय शर्मा, कैलाश दास, दिपेश मल्लिक सहितके छापा माध्यममे दखल राखैत आएल पत्रकारसभके जमघटमे सहभागिता छल ।
प्रतिक्रिया