सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके मिथिला नगरपालिका वार्ड नं.२ स्थित जनता माध्यमिक विद्यालय अपन बिद्यार्थीके चौतर्फी विकासके लेल विद्यालय प्राङ्गनमे प्रतिस्पर्धात्मक तिन तरहके खेलकुद कराओल गेल छै । जे तिनु खेल एक्कै टीम जीतल छै ।
जमावि नक्टाझिजद्वारा आयोजित विद्यालय स्तरीय एकदिना खेलकुद प्रतियोगिता अन्तर्गत कब्बडी खेल शुक्रदिन बेरियामे सम्पन्न भेल छै । खेल प्रतियोगिता अन्तर्गत कब्बडी खेल भेल । जेकर सेमिफाइनलमे पियर(एलो) हाउस एवं आकाशी (ब्लु)हाउस बिच खेल भेल छल । जाहि खेलमे आकाशी हाउसके कब्बडी खिलाडि़ नीक प्रदर्शन करैत अन्तिम फाइनलमे हरियर(ग्रिन) हाउस सँगे भिडन्त कएलक ।
कब्बडी खेलमे हरियर हाउस आ आकासी हाउसबिचकेँ प्रतिस्पर्धामे हरियर हाउस दिसस’ खेलैत कब्बडी टिमक कप्तान अमितकुमार राय आ मनिषकुमार महतो खेलके अधिक फरक नम्बरस’ हराक हरियर हाउसकेँ प्रथम श्रेणिमे जीत कराक कब्बडी खेलके उपाधि दियाबमे एवं जीत सुनिश्चित कराबमे सफल रहल ।
बिद्यार्थीसभबीचकेँ दोसर खेल फुटबल खेलमे ललका(रातो) हाउस, आकासी(निलो)हाउस, हरियर(ग्रिन) हाउस, पियर हाउसबिच खेल भेल । आकासी हाउस आ हरियर हाउबीचकेँ फाइनल प्रतिस्पर्धामे फूटबौलो खेलमे हरियरे हाउस जीत प्राप्त कएलक ।
हरियर हाउस फुटबल टिमक कप्तान अमितकुमार राय २ गोल माइरक खेलके अपना दिश घीचलक एवं २-० के अन्तरस’ हरियर हाउस जीतमे सफल भेल छै । अहितरहें विद्यालय स्तरिय क्रिकेट खेलमे सेहो हरियर हाउस आ अकासी हाउस बिच प्रतिस्पर्धामे हरियरे हाउस क्रिकेट खेल जीतमे सफल भेल ।
छात्रा दिशके प्रतिस्पधात्मक खेलमे आकासी हाउस आ लाल(रातो) हाउसबिच खेलमे आकासी हाउस खेलके उपाधि जीतमे सफल भेल छै । स्कुल स्तरीय हरियर हाउसके कप्तान दिवेशकुमार महतो खेलके लिडिङ्ग कएने छल । सभखेलमे दोसरका स्थानमे रहल आकासी हाउसके कप्तानम कुलदिप कुमार महतो अपन टीमके लिडिङ्ग कएने छल ।
प्रतिस्पर्धामे सामेल भेल हारल जीतल सभटीमके एक समारोहका बीच सरस्वती पुजा दिन सम्मान पुरस्कार प्रदान कएल जाएत । से जनतब आयोजक विद्यालयके प्राधानाध्यापक श्यामकुमार यादव जनतब देलाह ।
शुक्रेदिन भेल फाइनल खेलमे अवलोकनार्थ प्रअ श्यामकुमार यादव, शिक्षकसभ रोहित महतो, भरतलाल महतो,दिनेस प्रसाद महतो, गोविन्द न्यौपाने,पंकज तिवारी, राजकुमार साह, बुधन महतो, रामकुमार महतो, धिरेन्द्रकुमार महतो, मनोज महतो, विश्वनाथ महतो, रामउदगार महतो, सामेल छलाह । रेफ्रीदिस शिक्षक भगलु महतो, सहितक स्थानीय अभिभावक, भद्र लोकसभ समेत सहभागी छल ।
प्रतिक्रिया