राकेशभगत नागवंशी
नेपाली राजनीतिमे नइ बिसरबला एकटा महत्वपूणर् नाम छै स्वर्गिय बिशेश्वर प्रसाद कोइरालाके । ताहि दुवारे आइ हुनक जन्म जयन्ति धनुषा जिलामे पहिने जकाँ पार्टी नेता कार्यकर्ता फरक-फरक ठाममे मनाक श्रद्धाञ्जलि दिअके काज कएने छै ।
बि.पी.जयन्तीके अवसर पर नेपाली काँग्रेस पार्टी धनुषाद्वारा पार्टी कार्यालयमे मनाओल जन्म जयन्ति बुध दिन मनाओल गेल । धनुषा जिला सभापति महेशशंकर गिरीके सभापतित्वमे एवं प्रदेश दूके संसद आ नेकां संसदीय दलके नेता रामसरोज यादवके प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न भेल ।
महामानव बीपीके एकसय सातम् जयन्तिक अवसर पर क्षीरेश्वर नगरपालिकाकेँ मेयर योगेन्द्र पंजियार, वार्ड नं.१०के वार्ड अध्यक्ष मिथिलेशलाल कर्ण, वार्ड नं.९के वार्ड अध्यक्ष परमेश्वर साह, सन्तोष यादव, बिशेश्वर यादव, नगरअध्यक्ष मनोज साह, जगत सुन्दर साह, रामभरत साह, प्रवेश चौधरी , कन्हैया कर्ण, रविन्द्र सिंह, मदन ठाकुर, गणेश तिवारी, निलमदेवी कर्ण, अनिता श्रीवास्तव सहितके सहभागी नेता एवं कार्यकर्ता बीपीकेँ आदर्शवादी, समाजवादी विचार, सिद्धान्त पर अपन-अपन धारना राखैत तस्वीर पर माला अबीर चढाक श्रद्धा-सुमन अपणर् कएलाह ।
अहितरहें जनकपुरधाममे वीपी विचार राष्ट्रिय समाजद्वारा अलगे कार्यक्रम आयोजन क’क’ श्रद्धा-सुमन अर्पण सहभागीसभ कएलाह । समाजके धनुषा सभापति सुरेश कोइरलाके अध्यक्षतामे एवम् पूर्वसाँसद चन्द्रमोहन यादवके विशेषआतिथ्यमे स्थानीय पीडारी चौकमे कार्यक्रम कएलगेल । बीपीके तस्वीर पर माल्यार्पण एवं मौनधारण करैत कार्यक्रम सम्पन्न कएलगेल जनतब भेटल ।
एतुका कार्यक्रममे समाजके केन्द्रीय सदस्य आ पूर्वमेयर बजरंगप्रसाद साह, प्रदेशप्रमुख चुन्निरन यादब, धिरेन्द्रमोहन झा, प्रमेश्वर साह, जीतबहादुर राउत, ज्ञानेश्वर मण्डल, रामविलास धन्कार, उमेश ठाकुर आदि नेता कार्यकर्ता सामेल छल । कार्यक्रममे सहभागी प्रमुख वक्तासभ बीपीके राष्ट्रिय एवं अन्तराष्ट्रियक्षेत्रमे प्रजातान्त्रिक योगदानके विषयमे चर्चा कएलगेल । नेपालमे प्रजातन्त्रके स्थापनालेल कठोर संघर्ष कएने बीपी कोइरालाकेँ नेपालक राजनीतमे महामानवकेँ उपाधिस’ सेहो विभूषित कएल जाइत छै ।
महामानव बीपी बारे किछु …….
स्वर्गिय बीपी कोइरालाकेँ जन्म विक्रम संवत् १९७१ भादव-२४ गते भेल छल । देशमे कूरुर्र राणाशासनके बिरोधमे स्वर बूलन्दकर्ता एवं जनमत तयारकर्तामे अग्रपुरुष मानल जाइत छै । तत्कालीन व्यवस्थामे हुनक पिता कृष्णप्रसाद कोइराला गरिब कृषक सभ पहिरने लत्ता-कपडातत्कालीन राणा प्रधानमन्त्री चन्द्रशम्शेरकेँ पार्सल पठौला पछाइत कोइराला परिवार मीत्रराष्ट्र भारत निर्वासनमे चल गेलाह ।
भारत निर्वासन क्रममा हुनके नेतृत्वमे विक्रम संवत् २००३ सालमे नेपाली राष्ट्रिय काँग्रेसकेँ स्थापना भेल छल । नेपालमे प्रजातन्त्र स्थापनाके मुख्यलक्ष्य लक सुवणर् शम्शेरके नेतृत्वमे २००६ सालमे स्थापना भेल नेपाल प्रजातन्त्र काँग्रेसबीच एकता भेल आ नेपाली काँग्रेस नामाकरण भेल । ओकराबाद २००७ सालमे राणा बिरुद्धके क्रान्ति सफल भेल ।आइयो प्रमुख प्रतिपक्षी दलकेँ रुपमे नेपाली काँग्रेस वर्तमान संघीय संसदमे छै ।
विसं २०१७ पुस १ गते जननिर्वाचित सरकारकेँ राजाद्वारा अपदस्थ कएला पछाइत बीपी कोइराला सहितके नेतासभकेँ नेपालके राजधानी काठमाण्डौ स्थित सिंहदरबारमे बन्दी बनाओल गेल । बादमे सुन्दरीजल बन्दी गृहमे राखल गेल । कठोर काराबासमे रहैत-रहैत बीपी अस्वस्थ्य भेलाह । वि.सं. २०२५ सालमे स्वास्थ्य परीक्षण हेतु जेल मुक्त कएल गेला पर आठ वर्षधैर भारतमे निर्वासित जीवन बितौलाह ।
२०३३ साल पुस १६ गते राष्ट्रिय एकता एवं मेलमिलापकेँ नीतिसंग ओ स्वदेश नेपाल घुरलाह । मुदा क्यान्सर रोगस’ पीडि़त बीपी अन्ततः वि.सं. २०३९ साल साओन-६ गते अइ संसारस’ सदा लेल बिदाह भगेलाह । मुदा राष्ट्रियता, समाजवाद, प्रजातन्त्रलेल जे बीज रोइप गेलाह ओकरो अंकुरणक परिणाम छै जे आइदेशमे लोकतान्त्रिक नेपाल बनल छै । तैँ अइ महामानवप्रति देशके मात्रे नइ विदेशोकेँ राजनीतिज्ञसभ नमन बन्दन करैत छैथ । नेपालमे बीपीसन चाकर हृद्यबाला सोझरल समाजवादी नेताकेँ आइयो अभाव अनुभूति लोक करैत छैथ ।
प्रतिक्रिया