सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाली हवाई सेवाके क्षेत्रमे प्रतिष्ठित नाम कमा चुकल ‘बुद्ध एअर लायन्स’ सेवाग्राहीके सेहो बुद्धिस’ ठगमे कोनो कसर नइ राखैत छै । समय पर विमान नइ आएब आ प्रविधिक समस्या कहिक जनताकेँ घण्टो प्रतिक्षा कराएब ई समस्यात’ समान्य जन अवगत छैहे । विमानमे यात्रा करब हेतु आब जाहि बापत रकम लैत छै ओ बस्तुओ उपलब्द्ध नइ करबैत छै मुदा रकम एंठैत छै । ई खेरहा सामने आएल छै ।
जनकपुरधामके सचेत युवा सरोज मिश्र ईपोल खोललाह । काठमाण्डौ-जनकपुरधाम लेल यात्रामे गेला पर हुनका संग जाहि बापत रकम लेलगेल ओ बस्तु विमानमे देले नइ गेल । से जनतब अखनु एहे आधाघण्टा पहिने सामाजिक सञ्जाल मादे देलाह ।
बुद्ध एअरके एआरटी-७२ काठमाण्डौस’ जनकपुरधाम आएल बिमानमे कूल दु हजार पाँच सयकेँ टीकट रकममे १३८५ टीकटके, २०० टाका टेक्स एवं ५५ टाका फेशशिल्डके लैत छै । जे बात बी क्लासके टीकट नं. ११४४७४०६ पर अंकित छै ।
अइमे फेशश्ल्डि स्वरुप लेल जाएबाला रकम घपला कएल जारहल छै सेवाग्राहीस’ । किए त’ विमानमे फेशशिल्ड देले नइ जारहल छै । अइ तरहे बुद्ध एअर प्रति यात्रीस’ ५५ टाका रकम जाहि बस्तु देब कहिक लरहल छै ओ नइ देल जारहल छै आ ठकैती करैत ५५ टाका लरहल छै । विमानयात्री मिश्र आरोप लगौने छैथ ।
स्मरणीय छै सर्लाही जिलास’ निर्वाचित संघीय संसद प्रमोदकुमार साह किछु महिना पहिने बुद्धएअरमे यात्रा लेल विमानस्थलमे चारि-चारि घण्टा बिल्म भेलो पर यात्रीके कोनो पुछताछ आ जनतब नइ देलगेला पर जनकपुर विमान स्थलके काउण्डर पर जनतब लिअ लगला पर महाभारी बबाल भेल छल ।
तथापि रबैयामे सुधार भेलसन व्यवस्था बुद्ध एअरके नइ देखा रहल छै । ओ पुष्टि पच्चपन टाका बेसी रकम असुलबस’ होइत छै ।
कोरोना महामारीके कालमे विमानसेवा सञ्चालन करब हेतु छुट भेटला पर नागरिक सुरुक्षा हेतु फेशश्ल्डि लगाक यात्रा करब कार्य विमानमे शुरु भेल छल ।
जाहि वापतके रकम भार स्वाभाविक रुपस’ सेवाग्राहीएस’ असुलल जारहल छै । मुदा आब ओ सेवा वापत रकम लेल गेल छै मुदा बस्तु देल नइ गेल छै ओ बात फरिछा रहल छै ।
प्रतिक्रिया