जनकपुरधाम । मिथिला नगरि जनकपुरधाममे नेपाल बौधिक समाजव्दारा अन्तर्राष्ट्रिय अहिंसा दिवस पर प्रबचन कार्यक्रम क’ अहिंसा दिवस मनाओलगेल छै ।
‘सर्वजीव संरक्षनम् सर्वम् शुभम्’ पृथ्वी पर सभ जीवकेँ संरक्षण होएत तखने हरेक प्रकारस’ मानव जीवन सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी रहत ! लोक व्याधि मुक्त रहत ।
मन प्रशन्नतास’ क्लेश मुक्त, चिन्ता मुक्त रहत,प्राणिमे संस्कार पनपत समृद्धिक सुखमयव्दार सदैब खुजल रहत । तैं कोनो जीवके मारब, काटब ओहन काजस’ परहेज करक चाही ।
एहि सन्देशके समाजमे प्रवाहित करैत गेलापर अहिंसा दिवस हरेक समाजमे सार्थकता लाब सकत । सहभागी प्रमुख वक्तासभ अपन अपन धारना राखैत बाजल ।
बौधिक समाजके संस्थापक महामना राजेश्वर नेपालीके स्मरण समेत करैत अहिंसा दिवसके कार्यक्रम सोमदिन रातिमे ८ बजे कएलगेल छल । जनकपुरधाम वार्ड नं.८के बोला स्थित दूधमति धार लग रबिन्द्र मेमोरियल अस्पताल परिसरमे कार्यक्रम भेल ।
बौधिक समाजस’ सम्बद्ध एवं वार्डअध्यक्ष राघबेन्द्र प्रसाद साहके सभापतित्वमे अहिंसा दिवस मनाओलगेल ।
दू अक्टुबरके दिन रहलास’ भारतीय स्वतन्त्रता संग्रामके महानायक मोहनचन्द करमचन्द गान्धी (महात्मा गान्धी)के जन्म जयन्ति समेत रहलास’ हुनक तस्वीर पर मालाफूल अर्पण करैत विश्व अहिंसा दिवस मनाओल गेल ।
कार्यक्रममे युवा नेता केवलकुमार शर्मा, प्रा.रमेश साह,डा.शम्भु साह, ई.मुकेशकुमार साह, मोइउद्दीन, पत्रकार श्रीनारायण साह, उपेन्द्र भगत नागवंशी, सहितके सहभागी सभ अपन अपन विचार रखने छलाह ।
अहिंसा दिवसके अवसर पर वार्ड नं.२३ स्थित रामलक्ष्मण रा.प्रा.विद्यालयमे अध्ययनरत् विद्यार्थीकेँ छात्रबृत्ति रकम समेत प्रदान कएल गेल छल । सोमदिन जनकपुरधाम वार्ड नं.२३के वार्डअध्यक्ष राघवेन्द्र प्रसाद साह विद्यालय परिसरमे बच्चा-बुच्चीकेँ छात्रबृत्ति प्रदान कए अहिंसा दिवके पाठ पढौने छलाह ।
प्रतिक्रिया