सुन्दर संजोग जुड़ल,‘स्वर्णवर्ण कछुवा’, संरक्षितलेल हस्तान्त्रण

२०७७ कार्तिक ४, मंगलवार १०:३०
सीमाञ्चल समदिया

  • 84
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । संसारमे बिलुप्त प्रायः अवस्थामे रहल , ‘स्वर्णवर्ण कछुवा’ (गोल्डेन कछुवा) संरक्षित स्थानमे राखब लेल हस्तान्त्रण कएलगेल छै । लोकभाषा मैथिलीमे प्रकाशित पहिल दैनिक समाचारपत्र ‘सीमाञ्चल’ प्रकाशक तथा सम्पादक, एवं सीमाञ्चल डटकम अनलाइनके सञ्चालक उपेन्द्रभगत नागवंशी स्वणर्वणर् कछुवा हस्तान्त्रण कएलाह ।

सक्रिय समाजिक अभियन्ता, पशुराम कुण्ड संरक्षण समितिके सदस्य समेत रहल झगरुकुमार मण्डलकेँ मिथिला बिहारी नगर पालिकाक प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत बीरेन्द्रलाल कर्णके रोहबरमे संरक्षित करब हेतु कछुवा हस्तान्त्रण मङ्गल दिन दू बजे दिनमे कएलगेल ।
मिथिला विहारी नगरपालिका अन्तर्गत पुरन्दाहा बजार लगमे इतिहासिक धार्मिक महत्वक पशुराम तलाब छै ।

ओही तलाबकेँ सरसफाईमे बिगत १७२ हस्पतास’ मण्डल लागल छै । संसारमे संरक्षणके श्रेणिमे गोल्डेन कछुवाके राखल गेल छै । अपनासबके देश नेपालमे एहन कछुवा भेटैत रहैत छै जाहि प्रजातिके बचाबमे हमसभ लागल छी आ एकर विधिवत् प्रशिक्षण हमरा सेहो देलगेल सफाई अभियन्ता मण्डल कछुवा लैत बजलाह ।

त्रेतयुगीन सम्बद्ध मिथिला विहारी मन्दिरस’ कनेक पाछा जनकपुरधाम दिसस’ जाइत काल पीच सड़क पर कछुवा अपन गतिमे जारहल छल । रङ्ग तथा सञ्चारकर्मी नागवंशीको नजैरपड़ला पर फोटौ खीचलक । ताबतधैर एक दू करैत किछु लोक आइब गेल । हम त’हम लेब करए लागल ।

रङ्ग,पत्रकार नागवंशीके आशंका भेल ईसभ माउस बनाक खालेत । प्रायः बिलुप्त स्वणर्वणर् कछुवा रहने ओ उठा लेलक आ मिथिला विहारी नगरपालिका क्षेत्रमे भेटल छै त’ अहिक्षेत्रमे संरीक्षत स्थानमे रहक चाही । ओ ध्येय राखिक , नगरपालिका कार्यालयमे गेलाह । आ, सफाई एवं स्वर्णवर्ण कछुवाकेँ संरक्षण कार्यमे लागल अभियन्ता मण्डलकेँ गोल्डेनकचुवा कार्यालय प्रमुख कर्णके कार्यकक्षमे हस्तान्त्रण कएलाह ।

आइ मङ्गल दिन शुभ मङ्गलम् भेल । प्रकृति प्राणिकेँ बाटमे भेटब सुन्दर संजोग जुड़ल । ओहो दुर्लभ प्रजातिके स्वर्णवर्ण कछुवा ! जे, संसारमे सभस’अधिक दिनधैर वर्तमान समयमे बाँचबाला जीव छै ओकरा पाएब आ संरक्षीत क्षेत्रलेल हस्तान्त्रण करब अपने आपमे अदुभूत अनुभूति भेल रङ्ग एवं सञ्चारकर्मी नागवंशी संक्षिप्त प्रतिकृया देलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सम्वेदनशीलता दिश धनुषा जिला
२०७९ माघ २४, मंगलवार १८:१२
सीमाञ्चल समदिया
४ दिनस’ हरोर मचबैत आएल बाघ सीमापार धराएल
२०७९ पुष २८, बिहीबार १७:४६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सप्तरी क्षेत्र नं.-२मे डा.राउतप्रति जनमत, यादव पछुआएल
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १४:०३
सीमाञ्चल समदिया
पश्चिम नेपालमे फेर दलकी आएल
२०७९ कार्तिक २६, शनिबार २३:११
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
स्वर्ण व्यवसायीसभ भरल सभामे सपथ खयलाह
२०७९ आश्विन १६, आईतवार १२:१७
सीमाञ्चल समदिया