सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । भारत सरकारके कहत्वकांक्षी परियोजना राम सक्रिट अन्तर्गत सञ्चालनमे आएल ‘भारत गौरव रेल-यात्रा’ बृहस्पति दिन मिथिलानगरि जनकपुरधाममे आइब रहल छै ।
एहि बातके जनतब पत्रकार सम्मेलन मादे जानकी मन्दिरके उत्तराधिकारी भाविमहन्थ रामरोशन दास बैष्णव देलाह । भारतके राजधानी दिल्लीस’ चैलक कूल १८ दिनके यात्रा पुरा करैत पुनः दिल्ली जाक रेलगाड़ीके यात्रा पुरा होएत ।
जनकपुरधाम आगमन भेला पर भव्य स्वागतके तयारी कएल जारहल छै । प्रदेश सरकारके आयोजनमे एवं जानकी मन्दिरके संयोजनमे सीतारामके अनुयायी यात्रीसभकेँ जनकपुरधाम रेलटीशन पर स्वागतके तयारी पुरा कएल गेल छै, ओ बात महन्थ दास पत्रकार सम्मेलन मादे बतौलाह ।
हजारो वर्ष पहिने त्रेतायुगके नायक मर्यादा पुरुषोतम भगवान राम एवं शक्ति स्वरुपा जनक दुलाहरी आदर्श नारी माता सीताकेँ वियाह भेल छल ।
प्राचीन मिथिलाक राजधानी जनकपुरधाम एवं साकेतपुरी अयोध्या नगरिबीच अपनत्वक सम्बन्ध स्थापित भेल छल ।
सीतारामके परिणयस’ बनल सम्बन्ध सेतुके समय सापेक्ष आओर मजगुती लेल भारतके वर्तमान सरकार प्रमुख नरेन्द्र मोदीके सत्य प्रयासस’ जनकपुरधाम एवं अयोध्याबीच नागरीक स्तरपर सीधा सम्बन्ध स्थापित करब कराएब हेतु सोकजगर प्रयास ‘भारत गौरव रेल-यात्रा’ मादे भरहल छै ।
एहि यात्रामे सामेल सीतारामके अनुयायीसभ सीतारामके चरण जतह-जतह पड़ल छल ओ सबस्थानके यात्रा कराएब काज रेलगाड़ी मादे भरहल छै । जकर पहिल सुरुआत भेल छै । ताहि क्रममे बृहस्पति दिन रेलगाड़ी जनकपुरधाम पुंगत ।
भारतके राजधानी दिल्लीके सफदरञ्जग रेल टीशनस’ रेलयात्रा आरम्भ भेल छै । दिल्ली, अयोध्या,हम्मपी (किसकिन्धा), भद्राञ्चल, चित्रकूट, नासिक,काशी, प्रयागराज, छपरा आदि स्थान होइत मिथिलाधाम जनकपुरधाममे बृहस्पति दिन रेल गाड़ी आओत आ एकराति बिश्राम करत । पुनः भारतके दिल्ली सफदरजङ्ग रेल टीशन पर जाक विराम लेत ।
गाड़ीमे आधुनिक आ पौराणिक झलक देबबाला सभ सुबिधा छै । रामसीताके पुजा हेतु रेल गाड़ीएमे मन्दिर बनाओल गेल छै । एकदिन बिश्राम कएला पछाइत यात्रीसभकेँ जनकपुरधामक्षेत्रके प्रसिद्धस्थलसभ पर घुमफिर कराओल जाएत ।
जाहि हेतु वासके ब्यवस्थापन संगेसंग यातायातके ब्यवस्था समेत कएलगेल छै । करीब पाँच सयस’ उपर लोक यात्रामे रहत । जिनकासभकेँ राखब वास्ते जनकपुरधामस’ बर्दिवासधैरके छोट-नम्हर सभ तरहके होटल, धर्मशाला आरक्षित कएलगेल छै ।
उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दास जानकीमन्दिर दीशस’ यात्रीसभकेँ स्वागतार्थ अगुवाई करताह । रातिमे जानकी मन्दिरमे मिथिलाक मौलीक झांकी प्रस्तुत कएल जाएत, सेहो जनतब देलाह ।
प्रतिक्रिया