जनकपुरधाम । विभिन्न श्रष्टाकेँ पुरस्कार एवं सम्मान करैत एतह एकटा मैथिली संस्थाके वार्षिक उत्सव शनिदिन मनाओल गेल छै ।
मैथिली साहित्यकारसभाके एगारहम् वार्षिक उत्सव समारोह सभाके सभापाल जनार्धनलाल दास (प्रेमविदेह ललन)के सभापतित्वमे मनाओल गेल ।
मैथिली भाषा, साहित्य, कला, संस्कृतिके उन्नयन हेतु काज करैत आएल सर्जकजन मादे एक स्रष्टाके नगद रकम सहित पुरस्कृत एवं ६ गोतेके विभिन्न सम्मान प्रदान कए सम्मानित कएलगेल ।
कान्तीकारी कवि एवं साहित्यकार रुद्रनारायण झा मड़ईकेँ ‘ भूवनेश्वरी उदीतनारायण सम्मान’स’ पुरस्कृत एवं सम्मानित कएलगेल । नगद रकम सात हजारटाका सहित चादर , सम्मानपत्र एवं उपहार पैकेट सहित सर्जक झाके प्रमुख अतिथि राजर्षि जनक विश्व विद्यालयके कूलपति डा.भरत झा हस्ते सम्मान कएलगेल ।
ई पुरस्कार पूर्वमेयर एवं तमलोपाके अध्यक्ष बृषेशचन्द्र लालके दिवंगत माय बाबुके नाम पर स्थापित छै । पुरस्कार चयन समितिके सदस्य नित्यानन्द मण्डल सहि लोककेँ पुरस्कृत कएल गेलापर हर्षोन्भूति भेल बतौलाह ।
समारोहमे ‘ज्योतिश्वर साहित्यिक सम्मान’स’ श्रष्टा डा. राजेन्द्र विमलकेँ सम्मानित कएल गेल । तहिना एहि वर्षक ‘शास्त्री साहित्यक सम्मान’ सप्तरी जिला निवासी मैथिलीसेवी साहित्यकार पत्रकार महेन्द्र मण्डल बनवारीकेँ प्रदान कए सम्मानित कएलगेल ।
‘ग्रियशन गावेषणम् सम्मान’ आयोजक संस्थास’ सम्बद्ध रमेश यादवके सम्मान कएलगेल । तहिना मेथिली साहित्यकारसभा सम्मान सभास’ आबद्ध अरविन्दकुमार यादवके प्रदान कएलगेल ।
एहितरहें कलाक्षेत्र हेतु ‘योगेन्द्र साह कलासम्मान’ सिनेकलाकार,निर्देशक पुजा पासवानकेँ प्रदान कएलगेल । ‘मञ्चीय कवि शिखर सम्मान’ कवि, छविकार काशीकान्त झा रशिककेँ प्रदान कए सम्मानित कएलगेल ।
हिनकासभकेँ विशेषअतिथिके रुपमे क्रमशः साहित्यकार डा.राजेन्द्र विमल, डा.रेवतीरमण लाल, बृषेशचन्द्र लाल, रोशन जनकपुरी, रामरिझण यादव चादर ओढ़ाक, माला पहिराक सम्मान पत्र प्रदान कए सम्मानित कएलैथ ।
समारोहके शुरुआत कवि मनोज सिंह ‘प्रेमेश’के मान हमर सम्मान हम्मर स्वीकार करु बोलके स्वागत गानस’ भेल छल । डा. विमल लीखित सभाके अभियान गीत श्रमिति मोती झा गायन कएलीह । ततहि सभाके कोषपाल कलाकार लेखक रामाआशिष मण्डल स्वागत मनतव्य व्यक्त कएलाह ।
प्रतिक्रिया