सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम-५गते,माघ । विद्यालयमे नीयमीत शिक्षा ग्रहण करब वास्ते छात्र/छात्रासभ खुशीखुशी आबे ताहि लेल नीक युक्ति अपनाओल गेल छै । छात्रछात्रा समेतमे जागरुकता बढाब लाथे कएल जारहल छै नीक काज । एहन प्रशंसनीय काज कएल गेल छै धनुषा जिलाके पूर्वी-उत्तरीक्षेत्रके एकटा स्थापित पुराण बिद्यालयमे ।
धनुषाके सबैला नगरपालिका अन्तर्गत बरकुर्बा विद्यालयमे शैक्षिक सुधार कार्यमे अग्रसरता लेने बिनोद पालस’ भेटल जनतब अनुसार नियमीत विद्यार्थीसभकेँ जाड़के लत्ता-कपड़ा,जुत्ता आदि प्रदान कएलगेल छै । मुदा जे बिद्यार्थी नीयमीत आबैत छै तिनका ।
विभिन्न लोकस’सहयोग रकम मांग कएलगेल । प्राप्त सहयोग रकमस’ बरकुर्बा विद्यालयमे अत्तध्ययनरत् वालकक्षास’ पाँच कक्षाधैरके विद्यार्थीसभमे कपड़ा, जुत्ता प्रदान कएलगेल छै ।
विद्यालयमे नियमित अध्ययन हेतु आबबाला २६ गोटे बालबालिकाकेँ जाड़-ठाढ़स’ सुरक्षा दिअबाला गरम कपड़ा एवं जुत्ता प्रदान कएल गेल छै ।
उक्त काजमे खर्च हुअबाला रकम रामलाल सरवरिया, विनोद श्रीवास्तव, श्रीमति नितु पासवान, दिनेश पजियार, शिव राउत पाल, राज शर्मा, रमेन्द्रकुमार कर्ण सहित आठगोटे सहयोग कएने छल, सेहो जनतब भेटल ।
एहन पारदर्शी रुपमे भावि सन्ततीकेलेल काज करब आ एहन काजमे समाजके हरेक सचेत बर्गके अग्रसरता लिअ चाही । तखने सामुदायिक/सरकारी विद्यालयप्रति बिद्यार्थी अभिभावककेँ आकर्षण बढ़त ।
प्रतिक्रिया