सामाजिक सद्भावस’ मात्र समाजगतिशिल बनतःइद मीलन समारोहमे बजलाह नेपाली

२०७९ असार २५, शनिबार ०९:४०
सीमाञ्चल समदिया

  • 304
    Shares

इद मीलन समारोहमे मञ्चस्थ सहभागीसभ

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । ‘‘समाजमे सामाजिक सद्भाव नइ रहला पर कतहु, कोनो समाज गतिशिल, प्रगतिशिल नइ होब सकैए ।

हिन्नु होए, मुशलमान होए, सामाजिक सद्भाव बनाब लेल,बनाक राखबलेल सभकेँ उदार होब पड़त !’’ प्रेसस्वतन्त्रता सेनानी, बरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपाली एकटा कार्यक्रममे अपन धारना राखैत कहलाह ।

जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.२३के बेला स्थित हाजिलोटन शादी हालमे शनिदिन कार्यक्रम आयोजन कएलगेल छल । मुश्लिम समुदायके पर्व-‘इद उल अर्जा’के सन्दर्भमे ‘इद मीलन समारोह तथा सम्मान कार्यक्रम’ हाजिलोटल परिवारव्दारा आयोजन कएलगेल ।

जाहि कार्यक्रममे बिशेष अतिथिके रुपमे बरिष्ठ पत्रकार नेपाली सहभागी छलाह । मुश्लिम समुदायके देनके चर्चा करैत बेला गाममे २००७ सालके क्रान्तिमे काँग्रेसक झण्डा गाडि़क कूरुर्र राणशासनके बिरुद्धके बिगुल फूकबाला मस्तान अलि हसन सहितकेँ प्रसंग बिशेष अतिथि नेपाली उल्लेख कएलाह ।

‘हमरपिता रामदुलार साहके देल पोखरि आ एकर चौबगलीके जग्गह पर हमसभ खाड़ छी , जाहि जग्गह पर महजीद बना लेली, हाजी लोटन धर्मशाला बनौने छी, कोनो बात नइ ! सार्वजनिक प्रयोगमे आइब रहल छै । मुदा जेना महजीद चमकौने छी तहिना पोखरियोके सौन्दर्यीकरण करु, पोखरियो चमकाउ सेहो सुझाव बरिष्ठ पत्रकार नेपाली देलाह ।

संगहि हमरसभबीचके आपसी मीत व्ययी स्वभाव बनल रहे, हरेक दुःखसुखमे बैसक बिमर्श करैत छलीय ओ प्रम्परा पुनः कायम रहे ओहो प्रयास होब चाही । सेहो आग्रह करैत बरिष्ठपत्रकार नेपाली इृद मीलन कार्यक्रममे शुभकामना मनतव्य दैत कहलाह ।

आशिक अलव्दिारा सञ्चालित कार्यक्रममे जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाकेँ प्रमुख मनोजकुमार साह प्रमुख अतिथिके रुपमे सहभागी छलाह ।

मेयर साह अपन सम्बोधनमे-‘२०७२के संविधानमे धर्मनिरपेक्षताके चर्चा करैत हमसभ एकदोसरके धर्म,धार्मिक मान्यताकेआत्मसाथ क’क’ चलैत रही एक दोसरके मान दी तखने सम्मान बनल रहत’ कहलाह ।

बेलाकुट्टी सहितके सार्वजनिक भूमि सन्दर्भमे सेहो चर्चा मेयर साह कएलाह । ‘जे जग्गह अतिक्रमण भगेलै ओ भगेलै । आब बांकीके संरक्षित करब ई हमर दायित्व छै जे हम पुरा करब’ भरोस दियौलाह ।

सरकारी स्वामित्वके भूमि कतह कतेक छै तेकर तथ्यांक संकलन हेतु एकटा कमिटी बनाक करब कराएब । एवं सभके घराबन्दी नगर पालिकास’ होएत ।

अइमे एकबर्षके समय लागत सेहो जतब शुभ कामना सन्देश ब्यक्त करैत क्रममे लोककेँ अश्वस्त करबैत मेयर साह बजलाह ।

कार्यक्रममे वार्ड नं.२३के अध्यक्ष राघबेन्द्र प्रसाद साह अपन धारना राखैत-‘हमसभके जोड़के प्रयास करल छी आ करैत रहब ।

हमरासबके एकता मात्र हमरासबके मजगुती प्रदान करत’ कहलाह । हमरदादा रामदुलार साह एवं हाजिलोटनबीच अर्थात् हिन्दु मुश्लिमानबीचके मीत्रताके जे मिशाल बनल छल । ओहने उदाहरनीय बनाब चाहैत छी ।

किछु दुषकर्मी राजनीतिक लाभ लेल हाजिलोटन आ हमरासभके बीचमे तहियो बय मनस्यता उत्पन्न कराबके काज कएने रहै । हमरासभबीच कमीकमजोरी होब सकैए । जखने मानव छी किछु नइ किछु कमी कमजोरी होतै ओहिके हमसभ आपसमे बैसक छलफल क’क’ सुल्झाब सकै छी ।

बस हमसभ अपनामे एकता सामजस्यता नइ बिगारी सेहोआग्रह वार्ड अध्यउक्ष साह अपन सम्बोधन मे कएलाह ।

महिला नेत्री शबनम खातुन—‘‘ गुठी-कुट्टीमे किछु अन्तर नइ छै ,जेकर चाइल गल्त रहैत छै ओकरे ब्यवहार गल्त होएबे करैत छै । हमसभ ओहनके पहिचान करी, सावधान भ’क’ रही,’’ अपन सुझाव युक्त मनतब्य ब्यक्त करैत कहलीह ।

हाजि लोटन परिवारके अगुवा हाजि अहमद हुँसेनके अध्यक्षतामे कार्यक्रम कएलगेल । जाहिमे मौलाना मञ्जुर आलम रिजवी कार्यक्रममे स्वागत मनतव्य ब्यक्त कएलाह ।

मौलाना अकबर शाही काव्यवाचनस’ सहभागीसभकेँ मोन प्रसन्न करब काज कएलाह । कार्यक्रममे बुद्धिजीवी मिथिला चौधरी, युवा समाजसेवी केवल शर्मा, रामनन्दन साह,सहितके सहभागीसभ सेहो शुभकामना मनतव्य रखने छलाह ।

कार्यक्रममे प्रमुख अतिथि मेयर साह, विशेष अतिथि बरिष्ठ पत्रकार नेपाली, वार्ड नं.२३के अध्यक्ष राखबेन्द्र प्रसाद साह, डा.शम्भु साह, प्रा.रमेश साह, वार्डसदस्य विभा ठाकुर सहित समाजके दर्जनो हिन्दु मुश्लिम समुदायके भद्र उसासी लोककेँ गमछा ओढाक विशेष रुपस’ सम्मान कएलगेल छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया