सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति

२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk

  • 10
    Shares

कुरमुर नागवंशी, जनकपुरधाम । संघीय लोकतान्त्रिक व्यवस्था देशमे कायम भेला पछाइत तिनतहके सरकार देशमे कायम भेल । जाहिमे सबस’ निचका सरकार ‘स्थानीय निकाय’केँ न्यायिक अधिकार समेत देलगेल ।

 

ओहि अधिकार अन्तर्गत जनकपुरधाम उप-महानगरपालिका गत-विगत सहित एहि आर्थिक वर्ष समेतमे मीलाक २७८ मुद्दाके निपटारा कएलक । न्यायिक समितिके संयोजक एवं उपमहानपाके उपप्रमुख किशोरी साह जनतब देलाह ।

 

जनकपुरधाम उपमहानपाकेँ न्यायिक समितिमे सार्वाधिक मुद्दा विगतके मेयर उपमेयरके समयमे आएल मुदा खासे निकास नइ देलगेल । उपमेयर संयोजक एवं दूटा सदस्य एवं कानुन व्यवसायिक सम्मलित न्यायिक समिति राखब प्रावधान छै ।

 

वर्तमान मेयर मनोजकुमार साह नेतृत्वमे अएला पछाइत न्यायिक समितिके काजमे विस्तार आ मुद्दा फरिछौट करबमे तिब्रता आएल तथ्यांकस’ देखाइत छै । उपमेयर किशोरी साह संयोजक, वार्ड नं.९के वार्ड अध्यक्ष परमेश्वर साह, मनोनीत नगर सदस्य राकेश बिक्रम साह सदस्यक रुपमे न्यायिक समितिमे छै ।

 

२०७४ सालस’ ल’क’ २०८० साल आश्विन-२५ गतेधैर बादविवाद सम्बिन्ध कूल ५८८ मुद्दा न्यायिक समितिमे दर्ज भेल । जाहिमे ७१ टा मुद्दाके अदालतमे फैशला हेतु पठाओल गेल ।

 

उपमहानपा अधिनक न्यायिक समितिस’ निर्णय होबबाला मुद्दाक पहिचान कए दोषि ठहर १३१ मुद्दा भेल । जाहि मादे २५ बादी-प्रतिवादीके मीलापत्र कराओल गेल छै । १४ गोटे फरियादी अपन मुद्दा घुरता लेने छै । २५ गोट मुद्दा कार्यवाही लेल स्थगनमे राखल गेल छै ।

 

गत विगतमे ३११ एवं आ.ब.२०७९-८०मे १८ मीलाक’ कूल ३२९ मुद्दा मादे २७८ मुद्दाके निकास देलगेल छै । चालु आ.ब.मे परल १८ मुद्दा मादे १२ टाके निरुपन कएल गेल छै सेहो जनतब न्यायिक समितिस’ प्राप्त तथ्यांकस’ पुष्टि होइत छै ।

 

समाजमे होबबाला समान्य बाद-विवाद, झगड़ा-दनकेँ निपटारा करब आ सम्मुन्नत समाज बनाएब एहन मूल ध्येय न्यायिक समितिकेँ रहल छै । जे युरोपीय पद्धति छै । जाहिके हमरोसभकेँ देश कानुनी रुपमे मान्य कए ओहान सिद्धान्त लागु कएने छै ।

 

मुदा अधिकांश स्थानीय सरकार(महानगरपालिका,उपमहानगरपालिका, नगरपालिका,गाउँ पालिकाके न्यायिक समीति मुद्दाके फर्रिछौट नहिए जकाँ करैत आएल छै ।

 

राजनीतिक प्रेसर, स्थानीय लोकबीच कोना देखार चिन्हार होब चाहत,ताहि ओजहस’ मेयर, उपमेयर जिम्मेवारीस’ मूँह मोरैत आएब स्वाभाविक भगेल छै । मुदा एहि जनकपुरधाम उपमहानपा पृथक साबित भरहल छै ।

 

सूचना-सन्देश——

शुभकामना-सन्देश——

 

शुभकामना-सन्देश——

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
मेयर साहके बात इन्द्रदेव सुनलक
२०८० आश्विन १३, शनिबार १७:५६
सीमाञ्चल समदिया