सरकारकेँ चौहुवा हिलाब लेल नेपाली काँग्रेसव्दारा बिरोधी प्रदर्शन

२०७७ मंसिर २९, सोमबार १४:३३
सीमाञ्चल समदिया

  • 51
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी(नेकपा) बेकामी सरकार छै, । के.पी.शर्मा ओली नेतृत्वके वर्तमान सरकार निरंकुशता दिश तिब्रतासंग बैढ़ रहल छै । संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र गुमाब दिशामे स्वयं सरकार लागल छै । तेहन सहितके आरोप लगबैत सरकारके खबरदारी करैत प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली काँग्रेस पूर्वघोषित कार्यक्रम अनुसार सोमदिन सरकार बिरोधी प्रदर्शन देशभैरमे कएलक ।

नेपाली कांग्रेस धनुषाके अगुवाइमे मिथिलानगरि जनकपुरधाममे सेहो बिरोध जुलस प्रदर्शन कएलगेल । पार्टीके केन्द्रिय सदस्य एवं पूर्वमहामन्त्री प्रकाशमान सिंहके जनकपुरधामके बिरोध जुलुसके नेतृत्व कएलाह । नेकाँ धनुषा जिला कार्यालय पीरडियामाथानस’ हजारो कार्यकर्तासंग बहार भेल सरकार बिरोधी जुलुस बिषहरा चौक,मुरलीसर बिद्यापति चौक, रामचौक, जनकचौक, होइत शिवचौक आ ओतहस’ भानुचौकदने रेल्वे स्टेशन पुंगल । जतह कोणसभामा परिणत भक’ सभा समापन कएलगेल छल ।

कोणसभाकेँ सम्बोधन करैत नेकाँ केन्द्रिय नेता सिंह -‘‘वर्तमान सरकार जनहितमे काज कर नइ सैक रहल छै । उहन सरकारकेँ सत्तामे रह देबके कोनो औचित्य नइ छै,’’ बतौलाह ।

‘‘ केपी शर्मा ओली नेतृत्वके वर्तमान सरकार संघियता एवं संघीय लोकतान्त्रि गणतन्त्र समाप्त करब खेलमे लागल छै ’’ सेहोे आरोप सिंह अपन सम्बोधनमे लगौलाह ।संघियता कार्यान्वयन करब सांती देशमे भ्रष्टाचार, हत्या हिंसाके राजनीतिक करब एवं अवैधानिक नियुक्तीसभ करैत संघियताकेँ गलत देखाबके कुचेष्टा सरकारव्दारा भरहल छै । नेकाँ केन्द्रिय नेता सिंह सेहो धारना रखलाह ।

कार्यक्रमके समापन मे प्रदेश २ के संसद एवं नेकाँ नेता रामसरोज यादव ‘‘केपी ओली नेतृत्वके बर्तमान सरकारको जैड़ सहित उखाइरक नइ फेकब धैर आब देश मधेश केकरो कल्याण हुअबाला नइ छै । नेपाली काँग्रेस आब से काज करत नेता यादव उद्घोष कएलाह ।

संघिय सांसद स्मृतीनारायण चौधरी अपन सम्बोधनमे ‘‘ नियतवस भारतसंगके सीमा बन्द कएने छै । सीमा बन्न क’क’ ओहि बहन्ने किछु अप्रिय करब चाहैत छै । से अन्देशा व्यक्त कएलाह । संगे संग सीमानाका खोलल जाय ओ मांग सभाके मञ्चस’ चौधरी कएलाह ।

बिरोधसभामे नेपाली काँग्रेस धनुषाकेँ सभापति महेशशंकर गिरी, प्रदेशसंसद सरस्वती चौधरी,मुक्ता यादव,प्रमिला देवी दास, जीवित शहिद पत्रकार रामभरत साह, नगरअध्यक्ष मनोज साह, किशोरी साह, धिरेन्द्रमोहन झा, प्रफूलराज घिमिरे, बिजेता झा, रिंकु साह, जितेन्द्र प्रसाद साह, श्यामप्रसाद साह, गणेश तिवारी, प्रमोद चौधरी,जीवनाथ चौधरी,रामआशिष मण्डल,सहित हजारक हजार काँग्रेसी  सामेल छल ।

जनभावनाके लतियाबैत लोकतन्त्रके लेल पैघ खतरनाक खेल देशमे भरहल छै । अइमे कोनो सन्देह नइ । मुदा ओइ खेलमे सत्तापक्ष संगे प्रतिपक्षो मीलल छै ओ बात जनता छुटियाब नइ रहल छै । प्रतिपक्षी दलसभकेँ क्रिया कलाप सेहो सरकारकेँ सुरमे सुर मीलाब जोकर भरहल छल । ओइ आरोपके समेत हटाब लेल जे बिरोध प्रदर्शन कएलगेल छै ओइस’ काँग्रेसके किछु कोरामीन भेटत ओ बुझाइत छै ।

समान्य जनता बहुमतीय सरकार एवं प्रतिपक्ष दूनुस’ ऊइब चुकल छै । तेहनसन अवस्थामे अपन जनमत समेटब लेल काँग्रेस जनताके पक्ष मजगुत करब लाथे, अपन दल गुट मजगुत करब लेल महारैला बहार कएलाह । जाहिस’ सरकारक चौहुवा हिलाबके काज भेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

उजी रे उजी, चमकैत सड़क पर जमलक पानि
२०७९ जेष्ठ २८, शनिबार १०:३१
सीमाञ्चल समदिया
बिपती मण्डलव्दारा जीवहत्या अन्त अभियान शुरु
२०७९ जेष्ठ ७, शनिबार ०६:३६
सीमाञ्चल समदिया
नवकाघरकेँ खोजीमे नेकाँ नगरअध्यक्ष साहः चौबिसघण्टाके चेतौनी
२०७९ बैशाख ७, बुधबार १३:५३
सीमाञ्चल समदिया
निर्वाचन आइबते कलमी लठैतसभकेँ खोज-पुछ शुरु
२०७८ चैत्र १३, आईतवार १६:१७
सीमाञ्चल समदिया
बहुमतीय प्रणालीस’ गठित नेकपा एमाले नगरकमिटी आधिकारिक रहल दाबी
२०७८ फाल्गुन २१, शनिबार ०७:१८
सीमाञ्चल समदिया
देउवा समूहके आधिकारिक उम्मेदवार सन्तोष यादव
२०७८ माघ १, शनिबार १७:०४
सीमाञ्चल समदिया