सम्वेदनशीलता दिश धनुषा जिला

सामाजिक सद्भाव बिगारुके सम्हारब हेतु सुरक्षा निकायव्दारा ‘टास्कफोर्स’

२०७९ माघ २४, मंगलवार १८:१२
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 18
    Shares

जनकपुरधाम । धनुषा जिलामे सामाजिक सौहार्दता बिगार होब दिश जारहल छै ओहन संकेत भेटला पर स्थानीय प्रहरी प्रशासन सचेतता अपनौलक अइ ।

 

भेटल जनतब अनुसार धार्मिक, जातीय सामाजिक सद्भाव बिगारब, एक समुदायके दोसर समुदायस’ लगा-भिड़ाक समाजमे अशान्ति अराजकता पसारब तेहन कोनो कसिमके गतिविधि होब नइ दिअ लेल धनुषाके सिडियो समक्ष आइ बैसार भेल छै ।

 

बैसारमे विभिन्न धर्मके धर्मगुरु समुदायके अगुवा हिन्दुवादी संगठन एवं मुश्लिमवादी संगठन सहितके अगुवा एवं प्रहरी प्रशासनीक सबनिकायके अधिकारी बिच सद्भाव बैसार भेल जनतब भेटल ।

 

धनुषाके सिडियो काशीराज दाहालके कार्यकक्षमे विभिन्न धर्म-समप्रदायके अगुवा,संघ संस्था एवं सुरक्षा निकायके सहभागितामे समाजमे आपसी सद्भाव बिगार नइ देबलेल ‘राष्ट्रिय अनुसन्धान विभाग’के उपअनुसन्धान निर्देशक दिपक खड्काके संयोजकत्वमा एकटा ‘टास्क फोर्स’ गठन करब निणर्य कएलगेल छै ।

 

बैसारमे सहायक सिडियो अनुज भण्डारी, नेपाली सेनाके प्रमुख सेनानी सुरेश देवकोटा, धनुषाके एसपी विश्वराज खड्का, सशस्त्र प्रहरी बलके एसपी दिनेश मल्ल, सहितके अधिकारी एवं गाणमान्य लोक सामेल छलाह ।

 

किछु महिना पहिने महोत्तरीके भंगहा नगर पालिका अन्तर्गत पडरिया, बगडामे दू धर्म-समुदायबीच भेल घटनाकँे विषयमे स्थिति तनावपूणर् बनल छल । दू दिन पहिने बगडा गामके मधेपुरामे फेर तेहनेसन किछु घटनाके स्वरुप देखाएल ।

 

ताहिसभ बातके समीक्षा सेहो प्रशासनीक अधिकारी सम्मलित बैसारमे कएलगेल । पडोसी जिलाके बात अपनो जिला देवपुरा रुपैठाके जकाँ फेर अपनो धनुषामे नइ भजाए किएक त’ विभिन्न पर्वोत्सव आइब रहल छै ।

 

तेहनासन अवस्थामे अवसर ताइकक’ किछुतत्व सामाजिक सद्भाव बिगारब काज करए सकैए । तेहनतत्वसभके मनसुब्बा पुरा होबदियके नइ छै ओहि लेल पहिनहीस’ सरोकारी निकाय अपन तयारी आरम्भ कए देलक ।

 

दू समुदायके लड़ाएब भिड़ाएब हेतु समाज बिरोधी किछुतत्व सक्रिय होब लागल छै तेहन जनतब भेटला पर प्रशासन सक्रिय भेल छै जे नीक बात छै । टास्क फोर्स तेहन तत्वके कोना नियन्त्रण कएल जासकैए, ओहि विषयमे सूचना सङ्कलनस’ ल’क’ प्रभावकारी नियन्त्रण हेत समेत टास्क फोर्स काज करत ओहो बुझएमे आएल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
सामूहिक खिचडि़ खायमे नेता, विद्यार्थी, व्यापारी सहभागी
२०८० माघ १, सोमबार २३:१९
सीमाञ्चल समदिया
Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया