सभशक्ति फेल, जनता तेसरशक्ति जसपा दिश टकटक्की लगौने छैःउपेन्द्र यादव

२०७७ कार्तिक २५, मंगलवार १२:०२
सीमाञ्चल समदिया

  • 34
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । ‘‘ नव नेपालमे नवका राजनीतिक शक्तिके आवश्यकता छै । नेकाँ, नेकपा जेहन दलसभकेँ जनता देख चुकल छै । वर्षो वर्षस’ शासन सत्ताामे सन्हिाएक जनअपेक्षा पर खाढ़ नइ उतर सकल छै । ताहु दुवारे देशमे नवराजनीतिक शक्तिके दरकार लोकके छै । मधेश मात्रेटाके नइ पड़ाह-हिमाल सभतरके जनता आब बैकल्पिक शक्तिके रुपमे जनता समाजवादी पार्टी दिश टकटक्की लगौने छै ’’ !

जनता समाजवादी पार्टीक प्रमुख नेता पूर्वउपप्रधान मन्त्री उपेन्द्र यादव एहन धारणा व्यक्त कएलाह । मिथिला नगरि जनकपुरधाम कलवारीकुट्टी स्थित प्रेक्षालय भवनमे अखनु जारी बृहत्त सभा एवं पार्टी प्रवेश कार्यक्रममे नेता यादव सहभागी छैथ ।

आयोजित कार्यक्रममे जसपा नेता यादव कार्यकर्ताके सम्बोधन करैत-‘‘प्रमुख अहंकारी शक्ति बाहेक आब सभशक्तिकेँ मीलक संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रकेँ संस्थागत विकास करए दिश लाग पड़तै’’ कहलाह । अपनेसभ घबराउ नइ ओ समय बेसी दूर नइ छै । जहिया ई जनघाती दलके अगुवा-नेतासभकेँ खेहाइर खेहाइरक भगौतै’’ !

सुशासन होतै तखने समृद्धि औतै से बात कहैत समान्ता एवं विवेदरहित समाजवादकेँ परिकल्पना क’क’ जसपा आगु बैढ रहल छै । एकर मूलमन्त्रो एहे छै तैँ देशक तेसर राजनीतिक शक्तिके रुपमे लोक जसपा पर टकटक्की लर्गौने छै । लोकक अपेक्षा पर एहे पार्टी आब शतप्रतिशत सही खाड़ उतर ओहो दाबी नेता यादव अपन सम्बोधनमे कएलाह ।

‘‘मधेशवादी, खशवादी, शोषित, उत्पीडि़त, दमित सभशक्ति एक भ’क’ लागब आवश्यक छै । अइ विषय पर जोर दैत नेता यादव जनतास’ जनताकेँ जोरबमे युवासभ बेसी काजुल हुअ सकैए । कठिन परिस्थितिके सहज बनाब सकैए । आबके परिवर्तन, संस्थागत विकास हेतु युवासभकेँ राजनीतिक सक्रिय सहभागिता बेगैर नइ हुअ सकैए ’’, सेहो बात नेता यादव स्वीकार कएलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया