सबैला नगरपालिकाःमेयर साह बिरुद्ध यादवके भ्रष्टाचार मुद्दा

२०७८ आश्विन ८, शुक्रबार १७:१९
सीमाञ्चल समदिया

  • 21
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके सबैला नगरपालिकामे आइ पांचम दिन सेहो धर्ना युवा अभियन्ता सुरेश यादवके अगुवाईमे जारी छै ।
सबैला नगर पालिकामे ब्यापक भ्रष्टाचार भेल । ओहिके छानबिन अख्तियार मादे कएल जाए लेल यादवव्दारा मांग कएलगेल छै ।

राजनीतिक दलसभकेँ सहित सरोकारबलासभकेँ ध्यानाकर्षण कराब लेल,भ्रष्टाचार बिरुद्धमे आमनागरिककेँ स्वरबूलन्द करलेल समाजके जागृति लेल एवं उठाओल विषयकेँ सम्पूर्ण रुपस’ जवाब दिअ लेल नगरप्रमुख तैयार रहो ओ अभिप्राय संग चेतौनी दैत संघर्षात्मक आन्दोलन जारी राखलगेल छै ।

सबैला नगरपालिकामे जनअपेक्षित काज मेयर बिजयशंकर प्रसाद साह नइ कर सकलाह । जनभावनाके कदर नइ करए सकला पर बिरोधक स्वर उठब स्वाभाविक भगेल छै । जे जतबा बिकास निर्माण आदि काज कएलाह,करबौलाह ओहुमे ब्यापक अनीयमीतता आ घपला-घोटाला भेल छै एहन आरोप ताल ठोइक धर्ना पर बैसल पक्ष लगा रहल छै ।

धनुषा जिलाके सबैला गाम राजनीतिक चेतनशील लोकस’ भरहल रहने, राजनीतिक दाउपेंचके सिकार सेहो ओतबे सबैला होइत आएल छै । पार्टीगत रुपमे उठापटक, एकआपसमे रस्साकस्सी सेहो ओतबे होइत आएल छै ।

गामस’ नगरपालिकामे परिणत भेला पछाइत एकर पहिल मेयर साह नगरके सम्हारिक जनअपेक्षीत रुपमे सभकेँ समेटक नइ लजासकल छै की ! जाहि ओजहें बिरोधक स्वर तिब्रतास’ मुखरित हुअ लागल छै ।

भ्रष्टाचार बिरुद्धके संयुक्त संघर्ष समितिके संयोजक सुरेश यादव भ्रष्टाचार अनीयमीतता सम्बन्धि जे मुद्दासंग आगु बैढ़ रहल छ,ओहिमे दिनानुदिन लोकक समर्थन सेहो बढ़ैत जारहल छै । जनसमर्थनके घमर्थन सेहो शुरु भेल छै, पक्ष बिपक्षमे ।

मेयर पक्षधर लोक बिभिन्न प्रलोभन सहित गप्पसप्प करब हेतु दोगठ्ठी दने सम्वाद आदान प्रदान कर चाही रहल छै । ओ बात स्वयं समाजिक सञ्जालमे यादव लीखन स्टेटसस’ प्रष्टाइत छै ।

आब देखके छै जे मुद्दा उठाक लोककेँ सहानुभूति बटोइर रहल छै, ओकर निकासक बाट कि निकलैए ; कहिया आ कोना निकलैत छै । अइमे चुनौती मेयर साहके जतेक छै ओतबे आन्दोलन हँकनिहार पक्षधरकेँ सेहो !

भ्रष्टाचार बिरुद्धके संयुक्त संघर्ष समितिके तत्वाधानमे जारी रिले अनशनमे संयोजक यादवके संगेसंग रामबहादुर साह, बिक्रम यादव, रामनाथ यादव, सिकिन्दजित यादव,बिजय साह, जितेन्द्र मुखिया, गुड्डू यादव, अजय यादव, बुन्देश्वर राय आदि नीयमीत अन्नशनमे सामेल रहैत आएल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
नवपरिवर्तनकारी पक्षधर दलके नेतासभ नेपालीके दर्शन कएलाह
२०८० बैशाख ३१, आईतवार १६:५९
सीमाञ्चल समदिया
अमर शहिद झाके शालिक खाड़ करब हेतु स्मारक निर्माण शुरु
२०७९ माघ १५, आईतवार २२:१४
सीमाञ्चल समदिया
तीनमन्त्री सहित मुख्यमन्त्री यादव सपथ खयलाह
२०७९ पुष २९, शुक्रबार २१:४४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
जसपा नेपालके संसदीय दलके नेता चयन
२०७९ पुष २५, सोमबार १६:०२
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal
भाषा विवादमे दुरजरु होइत डा.सी.के.राउत
२०७९ पुष १३, बुधबार २२:०८
सीमाञ्चल समदिया