सबिकाहा नेपाली पर टटकाके बढ़ैत बर्चश्व

२०७७ आश्विन १३, मंगलवार ०७:३३
सीमाञ्चल समदिया

  • 15
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । घोर कर्मचारीतन्त्रके लापरवाही एवं मीलीभगतस’ आन देशके लोक हमरसबहक देशकेँ नागरिक सहजतास’ बैन जाइत छै । आ देशके नीति निर्मानतह धैरमे पुंइगक अपन जुइत चलाबैत छजबैत लगैत छै । तराई-मधेशक्षेत्रमे तेहन टटका नेपालीसभको भरमार छै । तेकर एकटा पोल फेर एम्हर खुजल छै , महोत्तरी जिलामे मसदा प्रशानिक निकाय कोनो चाच्इख नइ लरहल छै ।

प्रदेश दूके महोत्तरी जिलाके रामगोपालपुर नगरपालिका अन्तर्गत भारतीय नागरिक हमर सबहक देशके कमजोर सिस्टमके फैदा उठबैत स्थानीय सरकारकेँ महत्वपूणर् अङ्गमे सन्हियाक’ जुइत चला रहल छै ।

रामगोपालपुर नपा वार्ड नं.५के निर्वाचित वार्डअध्यक्ष जितेन्द्र चौधरी भारतीय नागरिक रहल सबूत प्रमाणसभ भेटल छै । पावर आ पैसाके बले नेपालीनागरिकता समेत प्राप्त कचुकल चौधरीकेँ नक्कली नेपाली रहल बिरुद्धमे जिलाप्रशासन कार्यालय महोत्तरी मे लखित जानकी दर्ज कराओल गेल । मुदा स्थानीय प्रशासन आइधैर कार्यवाही कानुनी कार्यवाही नइ कसकल छै ।

ओना महोत्तरीकेँ वर्तमान सिडिओ कृष्णबहादुर कटुवाल हम महोत्तरीमे अएलाबाद नक्कली नागरिकता विषयमे परल निवेदनकेँ बारे अनुसन्धान कार्य अगा बढौने छी, ओ प्रतिकृया मात्र सञ्चारकर्मीके देने छैथ ।

२०७६ साल फागुन-६ गतेमे रामगोपालपुरेके स्थानीय रैथाने हरिश्चन्द्र ठाकुर भारतीय नागरिक रहल सबूत प्रमाण सहित प्रशासन कार्यालयमे निवेदन दर्ज करौलक । दूदिनबाद फागुन८ गते प्रशासन कार्यालय औपचारिक पत्र काइटक औपचारिकता पुरा मात्र कएलक । सातमहिना समय बितगेल आ कोनो तरहक कार्यवाही आगु नइ ससरल छै, अइपर स्थानीय सेहो प्रशासनीक रबैयास’ अचरजमे परल अइ ।

भारतीय नागरिक ठाकुर नेपालमे जन्मल नइ छै । ओ भारत बिहार राज्यके सीतामढ़ी जिला अन्तर्गत बेला प्रखण्डके सिरसिया गामके मूल वासी छैथ । गतवर्ष सन् २०१९मे भारतमे सम्मपन्न लोकसभाके निर्वाचनमे सेहो मतदान कएने प्रमाण समेत उजुरीकर्ता ठाकुर प्रशासनमे बुझौने छै । फोटो सहितके पहिचानपत्रमे वार्ड अध्यक्ष जितेन्द्र चौधरीकेँ बाबुके नाम हीरा चौधरी उल्लेख छै । भारतीय मतदाता परिचयपत्रक सिंनं.९१६ घर नं.१५२ आ मतदाता पहिचान पत्र नं.केभिएच-५३२१८५८ रहल छै ।

नेपाली नागरिकतामे वार्डअध्यक्ष चौधरीके बाबुकेँ नाम हीरास’ परिवर्तन क’क’ अनिल चौधरी राखलगेल छै । मुदा फोटो मीलैत छै । अन्य सम्बन्धीके सेहो पहिचानपत्रस’ ओ सुच्चा भारतीय नागरिक रहल रहस्य खुजैत छै । तथापि वार्डअध्यक्ष चौधरी हम नेपाली नागरिक छी, कहैत छै । २०७४ सालमे भेल स्थानीय निर्वाचनम चौधरी स्वतन्त्र उम्मेदवारी दर्ज कराक दलबल पैसाके बल पर चुनाब जितमे सफलता प्राप्त कएलक । तेकरराबाद स्थानीय सरकारकेँ एकटा सिंगल वार्डकेँ अपना अनुकूल चलाबैत,एतुका लोककेँ घुमाबैत आएल छै ।

गैरनागरिक नेपालमे चोरा-नुकाक भूmठ-पूmस प्रमाण बनाक नेपालक सुच्चा नागरिक बैन जाइ छै । तेहन लुच्चा नागरिक हमरसभकेँ व्यवस्थाके तथा घोर कर्मचारीतन्त्रके लापरवाही अथवा मीलीभगतस’ आनदेशके लोक हमरसबहक देशकेँ नागरिकता सहजतास’ प्राप्त कलैत छै । आ अपना जुइत सेहो चलाब लगैत छै । हरेकक्षेत्रमे घुसपैठ करएस’ पाछा नइ रहैत छै । अइप्रति सरकार आ समाज दूनुकेँ !
गम्भिर हुअके आवश्यकता छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया
बलिप्रथा उन्मूलन पर जनकपुरधाममे बृहत् अन्तरकृया
२०७९ आश्विन १५, शनिबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal.com
मिथिला चित्रकलाको विशेषता
२०७९ भाद्र ३०, बिहीबार २३:५९
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
भूमिहीन नेपालीलेल भूमि व्यवस्थापन पर अन्तरकृया
२०७९ भाद्र ८, बुधबार १९:४२
सीमाञ्चल समदिया