‘सबचुनौतीके सामना करैत आगा बढ़ब’ रामबृक्षके स्मृति दिवसमे मातृका बजलाह

२०७८ भाद्र २, बुधबार ०६:३२
सीमाञ्चल समदिया

  • 90
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । महान शहिद कमरेड रामबृक्ष यादवके सताइसम् स्मृति दिवस मनाओल गेल छै । गणेशमान चारनाथ नगरपालिकाके वार्ड नं.९मे स्मृति दिवस मनाओल गेल । नेकपा माओवादी केन्द्रके प्रभावशाली नेता, पूर्वमन्त्री मातृकाप्रसाद यादवके प्रमुख आतिथ्यमे स्मृति दिवस कार्यक्रम अखनु समापन भेल छै ।

‘‘रामबृक्ष सन कान्तिकारी योध्दाके सपना साकार करब लेल फेरस’ हमरा सभपर पैघ जिम्मेवारी आएल छै । हमसभ सब चुनौतीके सामना करैत आगा बढ़ब आ जहिना जनयुद्ध सफल कएने छी, तहिना जनताके सब सपना पुरा करब लेल आगु बढ़ैत रहब ।

केपी ओली सन धोखेबाज सेहो देखक अपन माथ अप्पने पीटत तेहन जनविकासी आ जनसेवी काज हमसब मीलक करब’’ ! स्मृति दिवस कार्यक्रममे अपन संक्षिप्त सम्बोधनमे पूर्वमन्त्री माओवादी नेता मातृका यादव कहलाह ।


धनुषा जिलाके बरमझिया गाममे भेल समारोहमे शहिद यादवके तस्वीरपर फूलमाला चढ़ाक अबीर लगाक श्रध्दाञ्जलि अर्पण कएलगेल । स्मृति दिवसके अवसर पर रक्तदान कार्यक्रम सेहो कएलगेल छै । जाहिमे विभिन्न उमेर समूहके दर्जनो महिला पुरुष रक्तदान कएलक ।

वार्ड नं.९मे सार्वजनिक कार्यक्रम करब लेल एकटा मञ्च सेहो निर्माण कएल जाएत । जाहिके लेल प्रमुख अतिथि यादव मञ्च शिलान्यास सेहो बांस गाइर क’क’ ध्वज लहराक कएलाह ।

स्मृति दिवसके कार्यक्रममे नेकपा माओवादी केन्द्रस’ जुड़ल नेता झल्कु यादव सहितके कार्यकर्तासबके ब्यापक हेंज जुमल छल । पार्टीके जिला सचिव दिपक यादव, नगरअध्यक्ष महेशलाल यादव, नगर सचिव कृष्ण राउत, शहिद यादवके बेटी सुनिता यादव, श्रीबिन्दू मास्के, गुलाब यादव, गणेशमान चारनाथ नपाके उपप्रमुख मीनाकुमारी यादव सहितके नेता कार्यकर्ता सामेल छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
नवपरिवर्तनकारी पक्षधर दलके नेतासभ नेपालीके दर्शन कएलाह
२०८० बैशाख ३१, आईतवार १६:५९
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सम्वेदनशीलता दिश धनुषा जिला
२०७९ माघ २४, मंगलवार १८:१२
सीमाञ्चल समदिया
अमर शहिद झाके शालिक खाड़ करब हेतु स्मारक निर्माण शुरु
२०७९ माघ १५, आईतवार २२:१४
सीमाञ्चल समदिया
तीनमन्त्री सहित मुख्यमन्त्री यादव सपथ खयलाह
२०७९ पुष २९, शुक्रबार २१:४४
सीमाञ्चल समदिया
४ दिनस’ हरोर मचबैत आएल बाघ सीमापार धराएल
२०७९ पुष २८, बिहीबार १७:४६
सीमाञ्चल समदिया