जनकपुरधाम । सरसफाईके विषयमे दूपक्षबीच भेल घमाशानमे पूर्ववार्ड अध्यक्षके कपरमण्डल फूटल छै । आ, ओ अस्पतालके शैय्या ओगर पर बाध्य भेलाह ।
भेटल जनतब अनुसार जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वार्ड नं.११ धनुषापथमे दूपक्षबीच आपसी घमाशान भेल । आइ भिन्सर सात बजेकेँ ओनपोनमे बहारन सोहारण गोलियाक सड़क पर राखब क्रममे दूपक्षबीच बतकटौवल शुरु भेल छल । जे बतकटौबल घमाशानी रुप ललेलक ।
मारापीटीधैर पर बात पुंइग गेल जाहिमे रामु नामस’ चर्चित वार्ड नं.११के निबर्तमान वार्डअध्यक्ष रामचन्द्र रामु साहके कपरमण्डल फोइर देलगेल छै ।
जनकपुरधाममे सरसफाइके समस्या विकराल भेल जारहल छै ।
फोहरके उचित व्यवस्थापन नइ भेने लोक समाजमे एक-दोसरके देहरी लग, पर्ती खेत-घराड़ी पर लोक निर्लज्जतापूर्वक नुका-चोराक फोहर फेकैत छै । आइ बृहस्पति दिन भिन्सर तेहनेसन किछु खेल भेल ।
घर-देहरीके बहारन सोहारन सडक पर रखला पर हमर देहरी दिस किएक राखलगेल; अइ विषय पर आपसमे कहासुनी होइत, टेनामेनी चलैत रहल ! लोक करमान लागल तमासा देखैत रहल । ओहिबीचमे फोहर फेकब विषयमे जीदिया युवा साह पर धाबा बोइल देलक ।
जाहिमे वार्ड नं.११के निबर्तमान वार्ड अध्यक्ष रामुके माथ भंगा गेल आ रक्तके छुर्रछुर्री फेक लागल । आक्रमणकारी युवाके संगेसंग आनो लोकसभ पराएल अनेरे झण्झटमे के परो ! किछु लोक उठापुठाक रामुके अस्पताल पुंगौलक ।
अस्पतालक शैया पर पड़ल रामुस’ पुछला पर पथरु साहके भतिजासभ मारलक सीमाञ्चल समदियाके बतौलाह । घटनास्थल समेत पर पुंगल जानकी प्रहरी बृत्तके प्रहरीसब कपारफोरबाला दूगोटेके पकरगेल मुदा एकगोटे निप्ता भगेल । एकगोटे प्रहरीके फन्दामे परल छै ।
पीडि़त नि.वार्डअध्यक्ष साहके दू ठाम माथ फूटल छै । आठटा टांका लगाक भंगाएल माथ सियल गेल छै । जनतब प्रादेशीक अस्पताल जनकपुरधामस’ भेटल ।
सफाईके विषय ल’क’ परोसीयामे भेल झगरामे सन्तोष साह एवं सञ्जय साह पूर्व वार्डअध्यक्ष रामु साह पर आक्रमण कएने छै । पीडि़तके बयान आधारमे सन्तोषके पकरलगेल छै । मुदा दोसर आरोपी सञ्जय भाइग गेल ।
प्रहरी खोजीमे लागल छै जानकी प्रहरीबृत्तस’ जनतब भेटल । घटनाके विशष अनुसंधान जारी छै एवं जानकीचौकीस’ पीड़कके जिला प्रहरी कार्यालय धनुषामे पठाओल गेल ओहो बात बुझएमे आएल ।
प्रतिक्रिया