सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनता समाजवादी पार्टी शुक्रदिन पूर्वी धनुषा जिलाके सबैलामे विशालसभा एवं पार्टी प्रवेश कार्यक्रम कएलक । पार्टी प्रवेश कार्यक्रम अन्तर्गत विभिन्न दल त्याइगक जसपामे २ हजारस’ अधिक लोक प्रवेश कएने छै । जसपा सबैला कमिटीद्वारा आयोजित बृहत्त पार्टी प्रवेश कार्यक्रममे नव आगन्तुकसभकेँ गमछा ओढाक, अबीर चानन लगाक स्वागत कएलगेल ।
पार्टीके बरिष्ठ नेता एवं धनुषाक्षेत्र नं३के सांसद राजेन्द्र महतो, सभाकेँ सम्बोधन करैत-‘‘ मधेशवादके मुद्दा आब आओर जोर पकैर लेने छै । जसपा मधेश केन्द्रित दल मात्रे नइ भ’क’ हिमाल, पहाड़ तराई सभतरकेँ उपेक्षित शोसित दमित जनताके पीड़ा हरणकर्ता दलके रुपमे आगु बैढ रहल छै । आइ विभिन्न पार्टी छोइरक जे लोक अएलाह ओ ओहिना नइ आएल होएता । अवश्य ओ जाहि दलमे छल ओइमे दम घोटू भ’क’ रहल होएता, जसपा तेहने दमघोटूसभकेँ आक्सिजन दिअबाला दलके रुपमे आगु बैढ रहल छै । ’’
जनता परिवर्तन पौने छै आब ओकर लाभ लिअ चाहैत छै । जाहिमे कतहु नइ कतहु संघीय सरकार अवरोधक छै, ओकर बनाएल नियम कानुन अवरोधक छै, ओइसभ सुधार करेके परतै । हमसभ जे कहैत आएल छी ‘‘अप्पन शासन, अप्पन प्रशासन’’ अखनु कहाँ पुरा भेल छै ! संविधान संशोधनके माध्यमस’ मधेशके हितके बात मधेशीके हितके बात पुरा करेके लेल जसपा कहैत आएल छै ।
संघियताके बिरोधमे शासकवर्ग अखनो षडयन्त्र कइए रहल छै । मुदा नदिके बहाव उन्टा नइ घुमैत छै, ओ अपन धार स्वयं बनबैत छै आ अबरुद्धो करैत । मधेश तहिना अपन धार प्रष्ट रुपमे बना चुकल छै आ संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रकेँ पाछा नइ जासकैए ।’सेहो प्रष्ट कएला नेता महतो ।
प्रदेश सरकार जनताके मुताविके काज करतै आएल छै । काज करब क्रममे बहुत व्यवधान होइछै ओ व्यवधान सेहो बुझेके परतै । सात गो प्रदेशमे एकटा मात्र २ नम्बर प्रदेशमे मधेशीयाके सरकार छै । एहो जनताके इच्छा अनुसार काज नइ करहल छै तेहनो बात सुनमे अबैए । अइमे प्रदेश सरकारके दोष बेसी देब ठीक नइ छै । संघ सरकारकेँ दोष छै । प्रदेशके प्रहरी प्रशासन, प्रदेश सरकारके मातहतमे रह परलै से नइ छै । कानुन बनाके देल जाइ छै ओ पासे नइ जल्दी करैत छै । उदाहरण दैत बरिष्ठ नेता महतो बजलाह ।
प्रहरी प्रशासन, प्रदेशके नीयम कानुन स’ ल’ क’ बहुतो बातके उल्झौने छै, ई गम्भिर बात आ विषयसभकेँ अपने जनतासभकेँ बुझेके परतै । कर्मचारी सालोभर नइ रह दैछै तेहनो उछन्नर करैत छै । मुदा अपनेसभ चिन्ता नइ कएल जाओ , दूटा मधेशबादी दल मीललाके बाद मधेशीया पार्टी तगरा भगेल छै । ओकरा (शासकवर्ग)के नइ सोहन्ता छै । तहुस’ अनेक जाल झेल आ षडयन्त्र देखाक आ चोराक दूनु रुपमे करैत आएल छै । हमरा सुनके ओइके पर्दाफास करैत अपन अधिकार लिअके छै , अइमे अपनेसभ संग रहु जसपा मधेशके मधेशवादके विजयी पताका लहरएबे करतै । अपन ओजपूर्ण अभिव्यक्ति दैत बरिष्ठ नेता महतो कहलाह ।
कार्यक्रममे प्रदेश दूके मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत, संघीय सांसद उमाशंकर अरगडि़या, प्रदेश २के भौत्तिक पूर्वाद्धारमन्त्री जितेन्द्र सोनल, वन पर्यटन मन्त्री रामनरेश राय , प्रदेश सांसद रामआशिष यादव, दिपक कार्की पार्टी प्रवेशसभामे सामेल छलाह । हजारक हजारके संख्यामे जुमल सभामे जसपा नेता अनिलकुमार झा, मनिषकुमार सुमन, पूर्वमन्त्री सुरिता साह, उर्मिला साह, सञ्जय सिंह,संजय चौधरी, प्रमोद यादव, राजीव झा,सहितक दर्जनो क्षेत्रीय, जिला आ स्थानीयस्तरके नेता सामेल छलाह । चित्रश्रोत- किशोर गुरु
प्रतिक्रिया