सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । कोरोनाके संक्रमणस’ बांचबलेल धनुषा जिलाके औरही गाम पालिका अन्तर्गत परवाहा गाममे सर्वसाधारणकेँ स्वास्थ्य सुरक्षा अपनाब लेल मास्क आदि सामग्री बांटब काज कएलगेल छै ।
स्थानीय, प्रदेश आ केन्द्र सरकार समेत अखनु आँइख मुइन लेने छै समान्य जनताकेँ समस्याप्रति, ओकर निकासी बाटप्रति, ततै किछु लोक आ समूह जेहे जुड़ैत मीलैत छै ओ आम जनताके घर देहरीमे पुंइगक प्रदान करैत छै । ओ प्रशंसनीय काज मानल जाए चाही । मुदा स्वास्थ्य सुरक्षोकेँ सेहो ओतबे ध्यान सामग्री बांटब काल देल जाए चाही ।
कोरोना महामारीमे राज्य जतह चुइक रहल छै सर्वसाधारणके बास्ते ततै किछु संगठन, समाजक अगुवासभ राहत स्वरुप किछु आवश्यक वस्तु गाम घरमे सेहो बांटब प्रारम्भ कएने छै । मुदा कोभिड-१९के दोसर चरणके जे लहर महामारीके चलल छै ओ पहुनकास’ अइबेरके कोरोना अधिक घातक छै । अइबातके जनतब समान्य लोककेँ होइक नइ होइक सेवाभावि रुपमे बस्तु बंटनिहारकेँ अवश्य होएबे करत ।
तथापि घोर लापरवाही पूणर् तरिकास’ सामग्री बितरण कएल जारहल बात अइ समाचार संग प्रकाशित फोटो देखलेस’ प्रष्ट होइत छै ।
परवाहा गाममे मास्क वितरण गौवांसभकेँ कएलगेल । एकर अतिरिक्त एकटा थर्मोगन, एकटा अक्सोमीटर, २ टा पीपीई प्रदान ओतुका स्वास्थ्यक्षेत्रस’ सम्बद्ध जिम्मेवार लोक सन्तोष ठाकुरकेँ प्रदान कएलगेल । से जनतब समाज सुधार युवा सुजित मिश्र मादे भेल ।
मास्क वितरण हेतु नइ निश्चित समाजिक दूरी अपनाओल गेल ; नइ मास्कसभ प्रयोग कएने छल । चढ़ा उपरी एना जेना कोनो मजमा लागल होए,खरदार अधिक बेचबैया कम होए । कि बूढ़,कि जुवान,कि महिला कि बच्चाबुच्ची सभमास्क लीअलेल हेंजके हेंज जुमल छल ।
तेहन अवस्थामे कोरोना महामारीकेँ संक्रमणस’ बांचब उपायके लेल जे बस्तु लिअ दिअमे लागल ओ स्वयं संक्रमण सिकार हुअ सकैए । अइ बातके ध्यान देब अति आवश्यक छै । अन्यथा संक्रमण रोकब बस्तुके लिअलेल संक्रमित नइ भजाएत तेकर कि भरोस । तैँ सतर्कता आवश्यक छै, स्वास्थ्य सुरक्षाके विधि अपनाएब जरुरी छै, ओहि बातकेँ ध्यान देल जाए चाही ।
मिथिला नगरपालिकाको सार्वजनिक सूचना—
प्रतिक्रिया