संउसे गामके लोक माओवादीस’ हटल, एमालेमे ढुकल

२०७८ आश्विन ६, बुधबार ०३:५४
सीमाञ्चल समदिया

  • 5
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । पार्टी विभाजन पछाइत अपना-अपनी दिस कार्यकर्ताकेँ तानब, नवकार्यकर्ता बनाएब, ढुकाएब काजमे दलसभ लागल छै । अहिक्रममे धनुषाके बटेश्वर गाउँ पालिका अन्तर्गत एकटा गामके प्रायःसब गौवां माओवादी केन्द्र त्यागिक नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)मे प्रवेस कएने कहलगेल छै ।

नेकपा एमालेके केन्द्रिय सदस्य एवं पूर्वमन्त्री जुलीकुमारी महतोके प्रमुख आतिथ्यमे पार्टी प्रवेस काज भेल छै । पार्टीके जिला इन्चार्ज एवं निवर्तमान प्रदेस संसद रामचन्द्र मण्डल, महोत्तरी जिला अध्यक्ष एवं केन्द्रिय सदस्य टेकबहादुर बलमपांकी प्रवेस कार्यक्रममे बिशिष्ठ अतिथि रुपमे सामेल छलाह ।

मङ्गलदिन भेल पार्टी प्रवेस कार्यक्रममे बटेश्वर गपाके भूचक्करपुर गामके रमौली टोलकेँ प्रायःसभलोक नेकपा माओवादी केन्द्र छोइरक नेकपा एमालेमे प्रवेस कएने छै, ओहन जनतब एमाले धनुषा अध्यक्ष राजकिशोर यादव देलाह ।

बटेश्वरक्षेत्रमे २०३६ सालस’ बामपन्थीधारके सकृय आ स्थापित नेता दलबहादुर मगरके अगुवाइमे माओवादी केन्द्र परित्याग क’क’ सउंसे रमौली टोलके युवा, ब्यस, अधबैस नरनारीसभ एमालेमे प्रवेस कएने छै, सेहो दाबी अध्यक्ष यादव कएलाह । नवप्रवेसीसभकेँ एमाले नेत्री एवं पूर्वमन्त्री जुली महतो अबीर चानन लगाक, माला पहिराक, पार्टीमे नवप्रवेसीसभकेँ स्वागत कएलीह ।

पार्टी प्रवेस कार्यक्रममे पार्टीके प्रदेशकमिटी सदस्य मनोज खडका, भुब्यसआके अध्यक्ष एवं जिविस धनुषाके पूर्वसभापति रामचरित्र साह, बटेश्वर गापाके अध्यक्ष डम्बर बहादुर राउत क्षेत्री,स्थानीय नेता गङ्गाराम कुँवर, भारती सिंह सहितके नेता कार्यकर्ता एवं सर्वसाधारण लोकके हेंज लागल छल । चित्रश्रोतः दिपन ठाकुर

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया