श्रमिककेँ पारिश्रमिकमे सरकारव्दारा बइमानी

न्युनतम पारिश्रमिक एकसमान कएल जायःट्रेड युनियन कएलक मांग

२०८० असार २९, शुक्रबार ११:२७
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 20
    Shares
simanchal.com
ज्ञापनपत्र बुझाब जाइतकाल युनियनकर्मी, फोटोःनागवंशी, सीमाञ्चल ।

 

जनकपुरधाम । श्रमजीवीसभके न्युनतम् पारिश्रमिक प्रति नेपाल सरकार गम्भिर नइ रहल । एहन आरोप सहित सरकारके न्युनतम् पारिश्रमिक बृद्धि करैत निर्धारण कएल जाए बास्ते ज्ञापन बुझाओल गेल छै ।

 

नेपाल ट्रेड युनियन काँग्रेस जिला समिति धनुषा बृहस्पति दिन स्थानीय प्रशासन मादे नेपाल सरकारके ध्यानाकर्षण करबैत ज्ञापन बुझौने छै । ‘‘ रोजगारदाताकें संगेसंग नेपाल सरकार स्वयं सेहो श्रमजीवीकेँ न्युनतम् पारिश्रमिक प्रति गम्भिर नइ छै ।

 

एककहि देशमे कानुन बीपरित दू तरहस’ श्रमजीवीकेँ न्युनतम् पारिश्रमिक निर्धारण क’क’ विभेद करैत आएल छै ।’’बुझाओल गेल ज्ञापन पत्रमे कहलगेल छै ।

ट्रेड युनियनव्दारा जारी विज्ञप्ती, फोटो सीमाञ्चल ।

 

सरकारी कार्यालयमे काम करएबाला कर्यालय सहयोगी कर्मचारीकेँ न्युनतम पारिश्रसमिक २६०००।- एवं श्रमजीवी नीजी कारखाना अथवा अन्य क्षेत्रमे मजदुरी क’क’ गुजरबसर करब तेहन मजदूर वर्गके श्रमिक लेल न्युनतम् मासिक पारिश्रमिक १५०००।- कायम कएने छै ।

 

एहिमे भेदभाव आ असमान्ता छै जे राज्यपक्ष स्वयं कएने छै । अहुना अखनुका महंगाइके समयमे पन्द्रह वा छब्बिस हजारमे चाहक पाइधैर नइ पुंगत तेहनमे लोकके घर परिवार कोना चलत । एहि पर गम्भिर रुपस’ विचार करब आवश्यक छै ।

 

सरकार जेहो न्यनतम् दरमाहा निर्धारण कएने छै ओहुमे विभेद कीएक ? कमस’ कम न्यनतम् दरमाहा बराबर कएल जाय, चाही ट्रेड युनियनक ओ कथन आ मांग छै ।

 

ट्रेड युनियन धनुषा अध्यक्ष महावीर दास व्दारा हस्ताक्षरित ज्ञापनपत्र श्रम, रोजगार तथा सामाजिक सुरक्षा मन्त्रालय काठमाण्डौंके सम्बोधन करैत जिला प्रशासन कार्यालय धनुषाके प्रमुख जिला अधिकारी मार्फत बुझाओल गेल छै ।

 

simanchal.com
फोटोःनागवंशी, सीमाञ्चल ।

 

एहे आषाढ़ बितर ६गते नेपालके राजधानी काठमाण्डौमे समपन्न सातम् राष्ट्रिय महाधिवेशनस’ युनियन सबक्षेत्रमे कार्यरत् श्रमिककेँ एकसमान न्युनतम् पारिश्रमिक मासिक २५०००।- निर्धारण कएल जाए ओ मांग ज्ञापनपत्रमे कएल गेल छै ।

 

जौं सरकार से नइ कएलक तखन ट्रेड युनियन कठोरतम् संघर्षमे उतरत सेहो चेतौनी देने छै । नेपाली काँग्रेस सम्बद्ध नेपाल ट्रेड युनियन काँग्रेसकेँ ज्ञापनपत्र बुझाबबाला जुलुसमे काँग्रेसक बर्गिय, भातृ, शुभेच्छुक सहित विभिन्न २३ टा काँग्रेसी संगठन सम्बद्ध लोक सामेल छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया