जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके हँसपुर नगर पालिका अधिनरहल विद्यालयमे थप बिद्यालय भवन निर्माण हेतु शिलान्यास कएलगेल छै । श्री माध्यमिक विद्यालय बघचौडामे शिक्षा राज्यमन्त्री वोधमाया यादव विद्यालयमे भवन निर्माण लेल आइ बुधदिन शिलान्यास कएलीह ।
हँसपुर नगर पालिकाके मेयर प्रदीप यादवके सभापतित्वमे शिलान्यास समारोह भेल । भवन निर्माण लेल पहिनहि रकम प्राप्त भगेल छल । तौ शिलान्यास होइते निर्माण काज आगु ससरत ओ अपेक्षा कएल जारहल छै । वर्तमान मेयर यादवके साकारात्मक प्रयासस’ बिद्यालयमे बच्चासभके शैक्षिक विकास लेल भेल पहलके शिक्षा मन्त्री यादव बराई कएलीह ।
शिक्षाके बिकास होएत तखने समाज जागरुक बनत । कहैत शिक्षकसभ भावि सन्ततीके बौधिक विकास लेल नैतिक दायित्व बहन जेना करत तहिना विद्यालयके विकास होएत, शैक्षिक गुणस्तरीयता बढ़त आ विद्यार्थी सोकजगर परिणाममुखी उत्पादन होएत । अपन धारणा राखैत मन्त्री यादव शैक्षिकक्षेत्रमे सुधारक हेतु जागरुकताके खगता पर बल दैत बजलीह ।
स्कूलके अपन ग्राउण्ड ओझ भेल जारहल छै । किएकत ईस्कूलस’ सटले जगहके किछु भागमे बजार लगैछै । आरो बाँकी बहुते जग्गह शिवलाल गिरी चांपिक’ घर बना लेने छै, माल-जाल बन्हैत छै, गोवर-कर्सी रखैत आएल छै । ओहिके रोकल जाय । विद्यालय अपन हरफल जग्गह लालपूर्जा आ नक्सा मुताविक छुटियाक आधिपत्य जमाबो, से सुझाव सहितके अभिव्यक्ति प्रा.परमेश्र कापडि़ देलाह ।
एहि पर हँसपुर नगर पालिकाके साकारात्मक पहल करक चाही । कार्यक्रममे विद्यालयके प्रअ, शिक्षक-शिक्षिका ,नगर पालिकाके उपप्रमुख, वार्डअध्यक्ष सहित स्थानीय सर्वसाधारण एवं नामीगुणी लोकसभके सहभागिता छल ।
प्रतिक्रिया