सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । पहिल महिला शहिद पत्रकार उमा सिंहकेँ तेरहम् स्मृति दिवस मनाओल गेल छै । सोमदिन नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषा स्मृतिसभा आयोजन कए शहादति पत्रकार सिंह प्रति श्रद्धा सुमन अर्पण कएलक ।
२०६५ साल पुष-२७ गते साँझुक पहर सारे सात बजे पत्रकार सिंहकेँ जनकपुरधाम वार्ड नं.१४ स्थित रजौल गामक घरडेरामे भोजन बना रहल समयमे अपराधिसभ दबिया प्रहार कए निर्ममतापूर्वक हत्या कदेने छल ।
हुनक हत्यारासभ मादे आइयो बहुत गोटे कानुनक पक्करमे नइ आब सकल छै । राज्यव्दारा घोषित शहिद पत्रकार सिंहकेँ हत्या सम्बन्धमे जाहि गम्भिरतास’ सूक्षम रुपमे अनुसंधान हुअ चाही ओ नइ हुअ सकल । किछुगोटेकेँ खानापूर्ति लेल जेलनेलमे छै, किछु छुटल छै मुदा असली खेलाडि़ अखनो कानुनक पकरमे नइ आब सकल । सहभागी प्रमुख वक्ता प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी बरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपाली अपन धारना राखैत कहलाह ।
अग्रज पत्रकार बिष्णुमणि खनाल अपन धारना रखैत ‘पत्रकारिता उपर चुनौती अखनो छैहे आ रहतै । जाबतधैर राष्ट्रक नीति स्वतन्त्र पत्रकार एवं स्वतन्त्र पत्रकारिता हेतु सवल वाताबरण नइ बनत दोषी पर कार्यवाही नइ होए । पूर्ण प्रेस स्वतन्त्रता एवं पत्रकारकेँ जीवन जीविकालेल आर्थिक सहितके ठोसगर व्यवस्था नइ होएत’ कहलाह ।
पत्रकार सिंहके हत्या पछाइत जनकपुरक्षेत्रक पत्रकारितामे महिला पत्रकार गुणात्मक रुपमे ह्रास भेल छै । आएलो महिला वियाह दान भेला पछाइत अइक्षेत्रस’ पलायन भरहल गथेल छै जकर पूर्ति हमसभ नइ कसल छी । कार्यक्रमके अध्यक्षता करैत नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाके अध्यक्ष अनिल मिश्र बजलाह ।
नेपम सचिव पुरन साहव्दारा संचालित कार्यक्रममे अग्रज पत्रकर रामभरत साह, उपाध्यक्ष मनिका झा, अजय अनुरागी, किरण कर्ण सहितक सहभागी पत्रकरसभ अपन अपन धारना रखने छलाह ।
जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाव्दारा अक्षयकोष
अहि तरहें जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाव्दारा सेहो सोम दिन भिन्सर शहिद पत्रकार सिंहके स्मृति दिव मनाओल गेल । मेयर लालकिशोर साह शहिद पत्रकार उमा सिंहकेँ नाम पर पुरस्कार कोष स्थापना कएलाह आ ततकाल पाँच लाखटाका अक्षयकोष जम्मा कएलाह ओ जनतब कराअेल गेल । जम्मा रकमकेँ ब्याजस’ आगा सालस’ प्रतेक वर्ष निर्भिकता पूर्वक पत्रकारिता कएनीहार साहसिक पत्रकारकेँ पुरस्कृत कएल जाएत ओहो घोषणा मेयर साह कएलाह । चित्रसभः नागवंशी/सीमाञ्चल
प्रतिक्रिया