शरनार्थी प्रकरणमे हजसमिति अध्यक्ष मीयाँ सहित १४ धराएल

२०८० जेष्ठ ४, बिहीबार १४:२७
सीमाञ्चल समदिया
simanchal

  • 19
    Shares
भुटानी शरणार्थी प्रकरणमे पकरलगेल नेपाली काँग्रेस सम्बद्ध पूर्व गृह एवं उपप्रधानमन्त्री बालकृष्ण खाण ।

 

जनकपुरधाम । नेपालीके भूटानी शरणार्थी बनाक अमेरिका पठाक धन उगाहीकर्ताके आरोपमे अखनु फेर एकगोटे धराएल छै ।

 

भेटल जनतब अनुसार नेपाल हज समितिके अध्यक्ष शमशेर मियाँकेँ शरणार्थी प्रकरणमे बृहस्पतिदिन प्रहरीव्दारा पकरलगेल छै ।

 

आइदिनमे अखुनु नेपालके राजधानी काठमाण्डौ स्थित सिंहदरबार परिसर भितरस’ मियाँकेँ पकरलगेल छै । से जनतब पत्रकारसभकेँ जिला प्रहरी परिसर, काठमाडौंके एस.एस.पी.दानबहादुर कार्की जनौलाह ।

 

हज समिति अध्यक्ष मियाँ चढ़ैत आएल सरकारी वाहन बा १ झ १५८१ नम्बरके जीप भुटानी शरणार्थी प्रकरणमे प्रयोग भेल छै ओहि आधार पर पकरलगेल बुझएमे आएल । शरनार्थी प्रकरणमे धन ठगैतीकर्ता गिरोह बेरबर एहे जीप प्रयोग करैत रहल जे गृह मन्त्रालयके जीप छै ।

 

भुटानी शरणार्थी प्रकरणमे पकरलगेल नेकपा एमाले सम्बद्ध सांसद, पूर्वमन्त्री टोपबहादुर रायमाझी ।

 

गाड़ीके नम्बर बदैल बदैलक ठगपरेबीकर्ता गिरोहकेँ आबाजाहीमे प्रयोग भेल बि-एबी १४०५ नम्बरके उज्जरका नम्बर प्लेटबाला मन्त्रालयके गाडी प्रहरी सेहो पक्राउ कएने छै ।

 

नक्कली भुटानी शरणार्थी प्रकरणमे मियाँ सहित अखनुधैर १४ गोटे पकरल जाचुकल छै । जाहिमे नेपाली काँग्रेस सम्बद्ध पूर्व गृह एवं उपप्रधानमन्त्री बाल कृष्ण खाण, नेकपा एमाले सांसद टोप बहादुर रायमाझी, पूर्वगृहसचिव टेकनारायण पाण्डे सहित १४ गोटे अखनु प्रहरी हाजतमे बन्न छै ।

 

भुटानी शरणार्थी प्रकरणमे बृहस्पतिदिन पकरलगेल नेपाल हज समितिके अध्यक्ष शमशेर मियाँ ।

 

पकर गेलहासभको प्रहरीमादे काठमाण्डौ जिला अदालतमे पेश कएल गेल । भुटानी शरनार्थी प्रकरणमे पकराएल चौदहोगोटेकेँ थप तीनदिन हाजतमे राइखक अनुसंधान करब समय-अवधि अदालत थैप देने छै ।

 

१३ गोटेके बयान लेल जाचुकल छै । पकरलगेलसभ मादे नेपाली कांग्रेसके पूर्वसभासद आङटावा शेर्पाके बयान लेबके काज मात्र बाँकी छै, एहन जनतब भेल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया