सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । प्राकृतिक हिसाब सोमदिन जनकपुरक्षेत्र शीतलहरी-धुइनकेँ कारण शरदियाएल छै । मुदा जनता समाजवादी पार्टी नेपालकेँ आह्वानमे आयोजित सरकार बिरेधी प्रदर्शनस’ वातावरणमे गरमाहट आएल देखल जारहल छै ।
प्रधानमन्त्री एवं नेकपा अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीद्वारा कएल कराओलगेल संसद बिघटन सहितकेँ कार्यकेँ असंवैधानिक कहल जारहल छै । असंवैधानिक रुपस’ कएलगेल संसद बिघटनकेँ पुनर स्थापना सहितककेँ मांग करैत विभिन्न दलद्वारा दिनप्रतिदिन कएल जारहल आन्दोलन प्रर्शनक क्रममे जनकपुरधाममे सोमदिन पुनःआन्दोलनक गरमाएल ।
जसपा नेपालकेँ बिरोध प्रदर्शन जनकपुरधामक रेल टीशन पर आयोजित विशालसभा सत्ये विशाल देखल जारहल छै । अखनु एक बजेमे स्टेशनके भन्सार कार्यालयस’उत्तरकेँ सभक्षेत्रमे मुसरी ससरकेँ जग्गह नइ रहल देखलगेल । गाम गामस’ वार्ड वार्डस’ जसपा समर्थित लोक छत्ता, झण्डा बैनर सहित हुलके हुल लोककेँ कार्यक्रम स्थल जुमब क्रम जारीए छै । जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाके मेयर लालकिशोर साह कुवा-रामपुर,बसहिया एवं देवपुरा रुपैठास’ हजारो जनबलसंग जुलुसकेँ नेतृत्व करैत जुमल छैथ ।
जसपास’ सम्बद्ध मधेशवादी नेता राजेन्द्र महतो सहितक नेता नेत्रीसभकेँ अबाइ मञ्च पर नइ भेल छल । कार्यक्रम अढ़ाइ बजेधैर शुरु नइ भेल छै मुदा लोक करमान लागिगेल छै । अइस’ देशमे राजनीतिक नव महौल बनब कार्यारम्भ भेल मानल जारहल छै ।
जनताकेँ सभबात मुद्दा मोराक संसद पुनरस्थापना, नवनिर्वाचन एवं केपी ओली घाती, अन्तरघाती वा सेवक, धर्मात्मा अइ विषय दिश मुँइ्र गेल छै । देशक तेहन राजनीतिक वाताबरण बनाबकेँ खेल अधिकार सम्मान बहालीकेँ नाममे फेर देशमे शुरु भेल मानल जारहल छै । जकर परिणाम अइ बेर केहन आओत ओ देखब बांकी छै । चित्रसभः नागवंशी/सीमाञ्चल
प्रतिक्रिया