वियाहपञ्चमीमे विश्वहिन्दु परिषद्व्दारा ५१ जोड़ी वियाहल जाएत

२०७८ मंसिर १३, सोमबार ०६:०३
सीमाञ्चल समदिया

  • 221
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । सनातन‘हिन्दु’ धर्म, संस्कृतिके रक्षार्थ कार्यरत ‘विश्वहिन्दु परिषद् नेपाल’ गत-विगत वर्ष जकाँ अहूबेर सामूहिक वियाह कार्यक्रम करत ।

मिथिला नगरि जनकपुरधाममे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे उक्त बातके जनतब देलगेल । तीनवर्ष पहिने १२५ जोड़ी महिला-पुरुषके सामूहिक वियाह-दान कराक यश प्राप्त परिषद् कएलक । ‘दूवर्ष करौना महामारीके कारण एक वर्ष आयोजन नइ हुअ सकल ।

अइ बेर पुनः परम पवित्र महाउत्सव ‘सीताराम वियाह पञ्चमी तिथि दिन जानकी मन्दिर प्राङ्गनमे सामूहिक वियाहके कार्यक्रम कएल जाएत’ । परिषद्के धनुषा जिला अध्यक्ष एवं सामूीहक विवाह समारोह-२०७८के संयोजक सन्तोष साह पत्रकार सम्मेलनमे जनतब देलाह ।

एहे अगहन आगामी २३ गते,तद्अनुसार ९ दिसम्बर बृहस्पति दिन ५१ जोड़ी कन्या-वरकेँ सामूहिक वियाह दान होएत । अइ सामूहिक वियाह समारोहमे कन्यापक्षस’ २५ एवं वरपक्षस’ २५गोटे मीलाक कूल पच्चिस जोड़ीके अभिभाव सर कुटुम्ब १२५० गोटे बरियाती सामेल रहत । जेकर सम्पूर्ण व्यवस्थापन परिषद् मादे होएत ।

समाजमे बिकराल रुप धारण करैत जारहल दहेज जेहन बिकृतप्रथा एहन सामूहिक विवाहस’ रुकत समाजमे नव एवं सुव्यवस्थित संस्कारके बृद्धि होएत आर्थिक दोहन एवं देखाबास’ जोगल रहत । जाहिके अधलाह नइ मानल जासकैए ।

सामूहिक वियाहमे कन्या एवं वरपक्ष दूनुके वियौहुती कपड़ा सहित ६ सेट कपड़ा, कन्याके मङ्गलसूत्र, भाड़ा-वर्तन, साठन-राजन, श्रृंगार-पेटारके सामान ओछ्ओन-विछाओन आदि सभ आयोजनपक्षस’ व्यवस्था कए देल जाइत छै ।

एक जोड़ीपर कम्तीमे ५०हजारके रकम व्यय होइत छै । समाजक सहयोगस’ आर्थिक सहितकेँ सभ काजकेँ व्यवस्थापन कएल जाइत छै, परिषद् मात्र कोडिनेशन आ आयोजन करैत छै । पत्रकार सम्मेलनमे विश्वहिन्दु परिषद्के केन्द्रिय महासचिव जितेन्द्र सिंह बतौलाह ।

पत्रकार सम्मेलनमे विश्वहिन्दु परिषद् नेपालके संस्थापक एवं संरक्षक ओमबाबु सर्राफ, विवाह समारोहके सहसंयोजक रघुनाथ महतो, सदस्यसभ प्रभुदयाल जालान, रामशंकर साह, रघुनाथ साह, इन्दुदेवी साह,मोहन कुमार साह, जितनारायण भगत, धिरेन्द्र साह, लुम्बनीके धनुषधारी पाण्डे, आदि समेत सामेल छलैथ ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया