जनकपुरधाम । मैथिली भाषा, कला, साहित्य, संस्कृति, अनुवाद अनुसंधानक्षेत्रके योगदानीसभके अहुबेर पुरस्कृत करब हेतु नाम सार्वजनिक कएलगेल छै ।
नेपाल सरकारव्दारा गठित ‘नेपाल विद्यापति पुरस्कार कोष’ मादे अहूबेर मैथिलीभाषा, कला, साहित्य, संस्कृति, अनुवाद अनुसंधानक्षेत्र उल्लेखनीय योगदान प्रदातासभके पुरुकृत कएल जाएत ।
जिनकासभके पुस्कृत कएल जाएत हुनका सभके नाम एवं पुरस्कार राशि सहितके नामाबली आइ कोषव्दारा सार्वजनिक कएलगेल छै ।
२०६८ सालस’ प्रतेकवर्ष पुरस्कृत करैत आएल कोष विद्यापति स्मृति दिवसके अवसरपर पुरस्कार घोषणा एवं आषाढ़ मसान्तधैर पुरस्कार अर्पण करैत आएल छै ।
कोषके सदस्यसचिव रुद्रकुमार झाव्दारा सार्वजनिक कएलगेल पत्रानुसार दू लाख टाका नगद रकम सहितके ‘नेपाल विद्यापति मैथिलीभाषा-साहित्य पुरस्कार’ साहित्यकार अयोध्यानाथ चौधरीकेँ प्रदान कएल जाएत । चौधरी धनुषा जिला दुहवी गाम निवासी छैथ ।
शिक्षण पेशास’ सेवा निबृत एवं एकदर्जन जतेक साहित्यिक कृतिसभ पुस्तकाकार कएने छैथ । निरन्तर कथा कविता रिर्पोताज आदि रचना करैत आएल छैथ ।
एकलाख टाकाके ‘नेपाल विद्यापति मैथिली कला-संस्कृति पुरस्कार’ गायनक्षेत्रमे संलग्न रहैत आएल दन्तचिकित्यसक डा.आभाष लाभ एवं नाट्य एवं सिनेक्षेत्रमे सक्रिय बैजनाथ पासवान कुर्मीके संयुक्तरुपमे प्रदान कएल जाएत । दुनुगोटे स्थानीय निवासी छैथ ।
राजनीति एवं साहित्यक्षेत्रस’ समेत जुड़ल पूर्वसंसद महोत्तरी लोहारपट्टी निवासी महेन्द्रकुमार मिश्रकेँ एकलाख टाका नगद रकम सहित ‘नेपाल विद्यापति मैथिली पाण्डुलीपि पुरस्कार’ प्रदान कएल जाएत ।
शिक्षण पेशास’ सम्बद्ध धनुषाके शहिदनगर नगरपालिका वार्ड नं.२ निवासी रमेशकुमार यादवकेँ एकलाखटाका नगद रकम सहितके ‘नेपाल विद्यापति मैथिली अनुवाद पुरस्कार’ प्रदान कएल जाएत ।
प्रतिक्रिया