विकासी काज लेल बर्दिवास नपाके १अर्ब ४१करोड़के बजेट पारित

२०७८ असार १३, आईतवार १९:००
सीमाञ्चल समदिया

  • 50
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । आषाढ़ दश गतेधैर नगर परिषद् करब वैधानिक प्रावधान छै । तथापि बहुतो स्थानीय निकाय अइमे पछुआएल रहैत छै । प्रायः शुरुवात ओह दिन कलेलक आ शेष आगु होइत रहल । तेहनसन कार्य महोत्तरी जिलाके बर्दिबास नगरपालिकामे सेहो भेल छै । बृहस्पतिदिन आरम्भ कएलगेल परिषद् आइ पुरा भेल छै ।

रविदिन विधिवत् सम्पन्न कएलगेल आठम् नगर परिषद्-सभास’ आगामी आर्थिक वर्ष २०७८/०७९ लेल १ अर्ब ४१ करोड़ २३ लाख ८३ हजार टाकारकम बराबरके बजेट विनियोजन कएलगेल जनतब भेटल अइ ।

वार्षिक बजेट एवं निति तथा कार्यक्रम पारित  नगरसभा उद्घाटन सत्रमे सुरु भेल छल । आयोजित आठम् नगरसभामे प्रस्तुत वार्षिक बजेट एवं योजनाकेँ योजनागत रुपमे छलफल एवं बाँडफाँड आजुक बैसारमे क’क’ बजेट तथा नीतिकार्यक्रम पारित कएलगेल छै ।

बर्दिवास नगर पालिकाके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत रेवतीप्रसाद पराजुली आ नगरप्रमुख बिदुरकुमार कार्की ।

नगर प्रमुख बिदुर कुमार कार्कीके सभापतित्वमे रविदिन कार्यपालिका बोर्डके बैसार भेल । जाहि बैसारमे श्रोत अनुमान समितिव्दारा सुनिश्चित कएलगेल अनुसारकेँ बजेटमे योजनागत छलफल कएलगेल आ सर्व सम्मतिस’ ओ पारित भेल । से बातके जनतब बर्दिवास नगर पालिकाके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत रेवतीप्रसाद पराजुली देलाह ।

बनपा प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत पराजुलीके कहब अनुसार आगामी आ.ब. २०७८/०७९ के लेल नगरपालिका १ अर्ब ४१ करोड २३ लाख ८३ हजार रुपैया बराबरके बजेट विरण आनल गेल से पारित भेल छै ।

बनपाके १४ टा वार्डके सिलिङ्ग अन्तर्गत १० करोड ९५ लाख बराबरके योजनाहसभ सरदर रुपमे छुुटयाएल गेल छै । स्वास्थ्यक्षेत्रके लेल २ करोड, शिक्षामे ३ करोड ८० लाख टाकाके बजेट छुटयाएल गेल छै ।

पूर्वाधार विकास, शुद्ध पेयजल, सडक, पिसीसी ढलान सहितके विकास निर्माणके योजनासभ आगामी आबके नीति कार्यक्रमके प्राथमिकतामे पड़ल छै सेहो जनतब अधिकृत पराजुली मादे भेटल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया