सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाममे सड़क सञ्जालके विकास त’ भेल । फैलस’ भेल छै , मुदा कतेक गुणस्तरीय काज भेल छै तेकर पोल नहुँए नहुँए खुलैत जारहल छै ।
एशियाली विकास बैंककेँ ऋण सहयोगमे जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका अन्तर्गत नगरकेँ प्रमुख सड़कसभ फैल कएल गेल । भूमिगत नाला निर्माणके संगे संग फैलपीच सड़क बनल । जनकपुरधामके सुन्दरतामे अइ काजस’ पैघ सहयोग भेल छै । मुदा जाहि रुपमे गुणस्तर आ टीकाउ काज हुअ चाही ओ नइ हुअ सकल छै ई बात निधोक कहल जासकैए विना कोनो विज्ञकेँ परामर्शके ।
विकासके चेथरी सडक पर भेल भोंकांर ।
शुक्रदिन जनकपुरधाम वार्ड नं.४ अन्तर्गत कदमचौक पर पक्की पीच सड़ककेँ बीचोबीच माइट धैसक पताल लाइग गेल । पीच पर पैघ भोंकांर बैन गेल । ओ भोंकार देखब लेल लोकक जमघट लाइग गेल । एडिबी परियोजनाके काज केहन भेल तकर पोल आपरुप फेर खुज लागल । अइस’ पहिने वार्ड नं.४ अन्तर्गत चिल्ड्रेन पार्क आगा छोटक भोक्कनर देखाएल छल । ओहिस’ पहिने भानुचौकस’ मीलएरिया जाएबाला बाटमे सड़क पर भोंकाँर पूटल छल । सभकेँ भैरक पुनःदुरुस्त कएलगेल ।
शुक्र दिन देखलगेल भोंकारकेँ कारण बेसी मजमा लोको नइ लागे ताहि दुवार फटाफट टीपरस’ माइट खसाक भरल कोंचल गेल । गुणस्तरहिन काजकेँ युक्तिसंगत तोपब प्रयास भेल । काजके गुणवक्ता पर दूवर्ष पहिने होइत आएल पीचीङ्ग, पाइप गाड़ब आदि काजकेँ समय समेत बिरोधके स्वर उठल छल ।
सडक पर भेल भोंकांर ।
सचेत नागरिक अगुवा, बुझनीक लोक आ किछु परिवर्तनकारी युवासभ बिरोध करैत ठाम ठाम काज समेत रोकैत आयल छल ।
काज नीक सम्झौता आ इष्टिमेट अनुसार नीक भरहल छै, होतै, एहन भरोस दियाबके काज भेल छल । तखन निर्माणमे आएल अवरोध हटल छल । मुदा कहल अनुसार काज भरोसगर, ठोसगर नइ हुअ सकल । ओ बात समय-समय पर सड़क-पीच बाट पर एकाएक भोंकार होइत अएलास’ स्वतः शिद्ध होइत छै । चमचमाइत पक्की पीच सड़क-बाट पर भोकन्नर, भोकाँर भेला पर सभबेर किछुकाल लेल आबाजाहि बन्न होइत छै । लोक तमाशाके केन्द्र सेहो बनैत छै । तखन पता चलैत छै काज कतेक दुरुस्त भेल छै ।
भोंकारकेँ माटिस’ भरल गेला बाद ।
सरोकारी निकाय गुम्मी साधब बाहेक किछु नइ कएरहल छै । अइस’ सिद्ध होइत छै सम्बन्धित निकायके मीलीभगत ठेकदार कम्पनीके लापरवाहीपूर्ण काजस’ ठाम-ठाम समय-समय पर भोकांर होइत आएल छै । जाहिके मरम्मत संभार कएल जाइत छै । आबत जाबत सुचारु होइत छै । एकठामस’ दोसर ठाम फेर किछु दिनमे ओहिन भूँर, भोकन्नर आ भोंकार देखाइ पड़ैत छै । जे नइ देखाएत छै भूमिगर्भ भितरके गड़बरी होइत छै ओ कोना ठीक होएत । अइदिस पहल करब जरुरी छै कोनो अप्रीय घटना हुअस’ पहिने ।
प्रतिक्रिया