सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम उप-महानगरपालिका वार्ड नं.७के वार्ड अध्यक्ष जानकी राम साह अप्पन बजेटस’ दलीत समुदायके लेल भवन निर्माणक काज क’क’ सुरखुरु कहाब लगलाह ।
समाजमे अखनो अछोपसन ब्यहार सहैत-रहैत आएल दलीत वर्ग । दलीत समुदायके समग्र उत्थान हेतु वार्डस्तरस’ अध्यक्ष साह निरन्तर लागल रहैत आएल छै तेकर उदाहरणके रुपमे सेहो आजुका दिन नव भवन निर्माणस’ पुष्टि भेल छै ।
वार्ड नं.७ के बजेटस’ जानकीनगर स्थित दलित बस्ती दिनाभद्र टोलमे दलीत दलान ‘सामुदायिक भवन’ निर्माण कएलगेल छै । जाहि नवनिर्मित भवनकेँ एकटा समारोहबीच वार्ड अध्यक्ष साह उद्घाटन कएलाह ।
समाजमे अब्बल दब्बल वर्गके उठनाइ अति आवश्यक छै । वार्डके विकासमे वार्ड-वार्डके संगेसंग वार्डवासीके विकास होएत तखने नगरके समुचित विकास सम्भव हुअ सकत ।
हम अप्पन वार्डके संगेसंग नगर विकासके लेल सदैब तैयार छी, सेहो प्रतिबद्धता करैत अध्यक्ष साह धारना रखलाह । सामुदायिक दलित दालानके निर्माणस’ लोककेँ वियाह, धार्मिक सामाजिक कार्यमे महत्वपूणर् सहयोग पुंगत ।
दलीत दालान लगमे सम्पूर्ण वार्डवासीके स्वास्थ्यमे सहजता एवं शुलभता हेतु स्वास्थकेन्द्र सेहो निर्माण कराओल जारहल छै । सेहो जनतब भेटल ।
कार्यक्रममे वार्ड नं.९ एवं ३के वार्डअध्यतव्दय परमेश्वर साह, दिपेन्द्र साहसेहो अपन अपन धारना रखलाह । तहिनाही कार्यक्रममे वार्ड नं.७के वार्ड सदस्यसभ सन्तोष सरबरिया,नाजीर हुँसेन, श्यामा झा, रामराजी देवी दास सहित स्थानीयसभके बेस जमघट छल ।
दलीत भवन निर्माण आ उद्घाटन क’क’ वार्ड अध्यक्ष जानकीराम साह मेयर लालकिशोर साहके एकतरहें चुनौती देबके काज कएलाह । जे काज मेयरके करक चाही ओ काज वार्ड, वार्ड अध्यक्ष कएलक ओ गर्वक बात छै । सहभागीसब अपन धारना राखैत बजलाह ।
प्रतिक्रिया