सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । महोत्तरी जिलाके बलवामे दोसर मेयर कप प्रतिस्पर्धात्मक क्रिकेट खेल समापन भेल छै । बितल पुष २३ गतेस’ खेल शुरु भेल छल । खेलमे बलवा नगरपालिका अन्तर्गतके कूल ११ वार्डके ११ एवं एकटा नगरपालिका कार्यालय अधिनक खिलाडि़ सभकेँ समूह मीलाक कूल १२ टा क्रिकेट टीम प्रतिस्पर्धामे भाग लेने छल ।
मङ्गलदिन मुनाइर साँझमे सम्पन्न फाइनल खेलमे दोसर मेयर कपकेँ उपाधि बलवा नपा वार्डनं.१० धमौड़ा टीम शानदार प्रदर्शन् करैत जीत हासिल कएलक । अहि तरकेँ दोसर स्थानमे वार्ड नं.६केँ टीम भेल । बलवा नपा वार्ड नं.२ बदिया गामक क्रिकेटर टीम तेसर स्थान प्राप्त करएमे सफल भेल ।
‘‘ युवा भविष्यकेँ संवारब लेल ओकरा मानसिक एवं शारीरिक रुपस’ दुरुस्त राखब तखने भविष्यक सही कणर्धार हुअ सकत । बलवा नगरपालिका युवासभकेँ ओहि मुताविक तयार खेलके मादे करहल छै । खिलाडि़सभकेँ समुचित विकासलेल हम प्रतिबद्ध छी ’’ अपन धारना राखैत मेयर बिनोदकुमार यादव कहलाह ।
राजनीतिक विषमे अपन सम्बोधन क्रममे-‘‘देशमे प्रधानमन्त्री केपी ओली प्रतिगमण कएलक ओकर जवाब दिअले सेहो युवा सभकेँ आह्वान कएलाह । युवा सभ प्रधानमन्त्रीके प्रतिगमनकारी डेगकेँ रोकब सुधारब लेल अग्रसर नइ भेल तखनि सभ उपलब्धि गुमत । लोकतान्त्रिक व्यवस्थाकेँ सुदृढ़ता लेल युवासभकेँ देश विकासमे सक्रिय हुअ चाही’’ कहलाह ।
बलबा बजार पर खेल एवं समापन समारोह भेल । मेयर यादव आगु अपन बात कहैत कहला-‘‘बलवामे नगरके पहिल खेल स्टेडियम बनाएब, घोषणा कएलाह । खिलाडि़सभकेँ उत्साह बढ़बैत दोसर मेयरकप प्रतिस्र्धामे ककरो हार आ ककरो जीत नइ भेल छै ।
सभ नगरके लोक छै जिनकाबीच प्रतिस्पर्धा भेल, हमर घरक लोक भेल, हारो हमरे हय आ जीतो हमरे हय ताहि हिसाबस’हम अइ खेलके लेने छी । ककरो हार नइ ककरो जीत, हमरा लेखे सब बराबर आ नीक खेल खेललक अइ । मेयर यादव सेहो धारना व्यक्त कएलाह ।
विजेता टीम एवं खिलाडि़सभकेँ विजय कप एवं मेटल प्रदान कए सम्मान कएलगेल ।
समापन कार्यक्रमकेँ प्रमुख अतिथि बलवा नपाकेँ मेयर बिनोदकुमार यादव,संगेसंग खिलाडि़सभकेँ कप्तान एवं विभिन्न अतिथिके रुपमे प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत रमेश अधिकारी, सम्बन्धित वार्डके वार्ड अध्यक्ष, काँग्रेसी नेता प्रितम सिंह,इलाका प्रहरी कार्यालयकेँ इन्चार्ज, शस्त्र प्रहरीकेँ इन्चार्ज आदि सहभागी खिलाडिसभके माला पहिराक अबीर चानन लगाक सम्मान कएलगेल । कप्तान विवेकराज झा, जितेन्द्र मण्डल, विशाल मण्डल, धिरेन्द्र मण्डल सहितक लोक अपन अपन धारना समेत समापन समारोहमे राखने छल ।
चित्रसभःनागवंशी/सीमाञ्चल
प्रतिक्रिया