सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । वन-जङ्गलकेँ सुरक्षा लेल पहरेदारीकर्ता शसस्त्र वनरक्षकसभकेँ पोशाक परिवर्तन कएलगेल छै । पहिनुका पोशाक सैन्य पोशाक जकाँ छल । मुदा आब ओहिकेँ परिवर्तन कएलगेल छै । फरक किसिमकेँ पोशाक द’क’ फरक पहिचान कायम करब काज भेल छै ।
वनसुरक्षार्थ खटबाला रक्षकसभकेँ नवका पोशाख वनजङ्गले सनकेँ छै । जौं ओ वन-जङ्गलमे नुका जाय त’ चिन्हित करब कठिन भजाएत, तेहन पोशाक देलगेल छै । अइस’ अबैध वन कटानीकर्ता, काठ तस्कर आदि सभकेँ नुकाक गाथ लगाक पहरु कएला पर सहजता पूर्वक धरल-पकरल जासकैए । तेहन पोशाक डिजाइनगर कएल छै । पहिरला पर आकर्षक सेहो लगैत छै ।
संघीय सरकारकेँ संरचना अन्तर्गत हाल धनुषा सहित ४३ जिलामे शसस्त्र वनरक्षकसभकेँ नवका पोशाक देलगेल छै । पोशाक परिवर्तन सम्बन्धि नेपाल सरकार बहुत पहिने निर्णय लेने छल । जकर कार्यान्वय आब हुअ लागल छै ।
प्रदेश-दू अधिनक डिभिजन वन कार्यालय धनुषामे माघ-२१गते तयार भ’क’ पोशाक आएल आ २२ गते बृहस्पति दिनस’ शसस्त्र वन रक्षकसभ अपन अपन नवका पोशाक लगाक कार्यस्थलमे तैनात भगेल छै । ओ जनतब डिभिजनल वन अधिकृत सु्निलकुमार कर्ण सीमाञ्चल समदियाकेँ बतौलाह ।
डिभिजन व कार्यालय धनुषामे कार्यरत् शसस्त्र वन रक्षकसभकेँ नवपोशाख लगाक कार्यस्थलमे काज करैत देखलगेल छै । वन-जङ्गलमे तैनात भ’क’ सुरक्षा दिअबाला शसस्त्र वनरक्षकसभ नवपोशाखमे बेस आकर्षक कोनो सैनिक प्रहरीस’ मिसियो भैर कम नइ लगैत छै ओ चित्रमे देखल जासकैए ।
शसस्त्र वनरक्षक पोशाखमे रहल बैजनाथ सिंह सीमाञ्चल समदियाकेँ पोशाक परिवर्तन सम्बन्धमे जनतब देलाह । फोटोमे शसस्त्र वनसुरक्षाकर्मी बैजनाथ सिंह, शिवशंकर यादव, लालबाबु मण्डल, सीयाराम मण्डल, रामदेव यादव, रामदेव मुखिया, भेषराज श्रेष्ठ नव पोशाकमे छैथ ।
प्रतिक्रिया