सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । ‘‘ हम चुनावी मैदानमे जे वचन कएने छलीए, अपनक्षेत्रके जनतासंग ओ वचन पुरा करमे कोनो कसर बाँकी नइ रखने छी । मन्त्री रहैत काल विकास निर्माणके जे काज कइली ओ सबटा अपने सभकेँ आगुमे छै । हम अपन बराई अपने नइ करब अहाँ जनतासभ सर्बोपरी छी । एकर मूल्याकंण अपनेसभ करब आ कएने होएब । पचास-साइठ बरिसमे जतह सड़क बाट नइ छलै ओतह सड़क बाट पुंगाबके काज कएने छी । कतहु कोनो विकास निर्माणके काज बांकी छै , हम वचन देनेछी ओहो काज पुरा होतै ।’’
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीस’ सम्बद्ध संघीय संसद तथा पूर्व भौत्तिक पूर्वाद्धार विकास मन्त्री रघुवीर महासेठ उक्त बात बजलाह ।
अपन निर्वाचनक्षेत्र धनुषाक्षेत्र नं.४केँ विभिन्न गाम ठामकेँ भ्रमण अवलोकन करैत जनतासंग भेंटघांट करैत क्रममे पूर्वमन्त्री महासेठ बृहस्पतिदिन जनसमक्ष पुंगला पर प्रत्यक्ष जनसम्बादमे ओ बतौलाह ।
संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रक मूलमर्म जनभावना अनुसार जनप्रतिनिधिकेँ चलब होइत छै । हम जतह जे काज करब ओ भरोस देने छी, सेहो आ कतह की हुअ चाही तेहन विकासी काजकेँ बारेमे प्रस्ताव लाउ वर्तमान सरकार करबे करत, कोनो दुबिधामे नइ रहल जाए । सेहो भरोस पूर्वमन्त्री महासेठ अपन संक्षेप सम्बोधनमे क्षेत्रके जनता समक्ष व्यक्त कएलाह ।
वर्तमान नेकपा नेता प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीकेँ मूलमन्त्र छै ‘विकास आ समृद्धि’ । हमसभ ओकर पालनकर्ता छी । बस अपनेसभ विकासी काजमे एकमत भ’क’ संग दिअ । बजेटकेँ चिन्ता नइ करु हम मन्त्री नहियो छी तैयो अपने सबके काजमे रुकाबट नइ होएत । खाली अहाँसब विकास काजमे गुटबाजी फुटबाजी नइ करु , दलीय राजनीतिकस’ उपर उइठक काज करु बस ! सेहो आग्रह अपन सम्बानेधनमे पूर्वमन्त्री महासेठ कएलाह ।
धनुषा जिलाकेँ उत्तरीक्षेत्रमे मिथिला नगरपालिकाके वार्ड नं.७ स्थित औरही बाबाथान पोखरिया दमारमे ‘मिथिलासागर’ सरोवरमे नव निर्मित शीव मन्दिरके फिता काइटक उद्घाटन कएलाह । पर्यटकीयक्षेत्रकेँ रुपमे विकास करब लेल मिनपा मेयर हरिनारायण महतोकेँ सतप्रयासस’ पोखरिया दमारकेँ सौन्दर्यीकरण कए अद्भूत सरोवर बनाओल गेल छै । जाहिकेँ प्रशंसा नेता महासेठ सेहो कएलाह । सरोवर सौन्दर्यीकरण अन्तर्गत पोखरिके बीचमे निर्माण कएलगेल महादेव मन्दिरमे २० लाख रकम पूर्वमन्त्री महासेठकेँ संसदीय बजेट लगाल छै ।
अहितरहें मिनपा वार्ड नं.११ अन्तर्गतके तुल्सी, पाटो, चुरे चान्दनी, दूधपानी आदि स्थानमे विभिन्न मठ मन्दिर गुम्बा सामुदायिक भवन आदिकेँ अवलोकन, उद्घाटन कएलाह । तल्लो चुरेमे ४० लाखके लागतमे निर्माण पुरा भेल ४ कोठली आ एकटा सभाकक्ष सहितकेँ सामुदायिक पक्की भवनके सेहो उद्घाटन कएलाह ।
निर्माणधीन दूटा गुम्बा, निर्माण काज पुरा भचुकल एकटा सामुदायिक भवन, एकटा शिव मन्दिर समेतकेँ स्थलगत अवलोकन बृहस्पति दिन पूर्वमन्त्री महासेठ कएलाह ।
मन्त्री महासेठसंग मिनपा मेयर हरिनारायण महतो, जिविसकेँ पूर्वसभापति रामचरित्र साह, नेकपा धनुषाके जिला अध्यक्ष राजकिशोर यादव, सम्बन्धित वार्डकेँ वार्ड अध्यक्ष एवं किछु भद्र महिला पुरुष आ युवासब सीमित संख्यामे सामेल छलाह ।
कोरोना महामारीके ओजहें बेसी भीड़भाड़स’ बचैत छलाह तथापि जनसिनेह नेकपा नेता महासेठके पछोर लाइग जाइत छल । जे, अस्वाभाविक नइ छल । क्षेत्रके जनताकेँ मान राखैत देखल गेलाह । चित्रसब-उपेन्द्रभगत नागवंशी
प्रतिक्रिया