सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । लोहारपट्टी नगरपालिका अन्तर्गत स्वास्थ केन्द्र स्थापना एवं सञ्चालन बास्ते एकगोटे दानी भूमिदान कएलाह । ओ दनहा भूमि देख बास्ते मेयर शैलेन्द्रकुमार यादव दलबलसंग स्थलगत निरिक्षण सेहो कएलाह ।
लोहारपट्टी नपा वडा नं.५मे स्वास्थ्य केन्द्र सञ्चालन लेल स्थानीय काग्रेसी नेता समाजसेवी सीताराम यादव व्दारा जग्गह प्रदान कएल गेल छै । ताहि प्रति दाताकेँ धन्यवाद समेत दैत मेयर यादव भूमिकेँ अवलोकन कएलाह । वार्ड नं.५के अध्यक्ष शेषनशरुदिन, वार्ड नं.६ अध्यक्ष पंकज साह, उपाध्यक्ष करिवन सहित नगरबासीसभ समेत उपस्थित छलाह ।
जनताकेँ स्वास्थ सेवा सहज रुपस’ दिअलेल वार्ड स्तरपर स्वास्थ केन्द्र स्थापना लेल जग्गहके अवलोकन कएला पछाइत नाप नक्सा कए निर्माण काज हेतु बजेट व्यवस्थापन कएल जाएत ताहु हेतु स्थलगत अवलोकन कएल गेल छै । मेयर यादव सीमाञ्चल समदियाकेँ बतौलाह ।
प्रतिक्रिया