ले बलैयाःकमलामे बनल आधापुल सेहो भसकल भथाएल

२०७८ असार १७, बिहीबार १८:१५
सीमाञ्चल समदिया

  • 23
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । बहुत प्रतिक्षित आ बहुचर्चित रुपमे दूटा जिलाके जोडबाला पुलके निर्माण आधा आधि मात्र भेल छल ओहो भसैकक भथाए लागल छै ।
प्रदेश-२ अन्तर्गत धनुषा एवं सिरहा जिलाके जोड़बाला कमला नदिमे विगत आधा दशकस’ पक्की पुल निर्माण कएल जारहल छल । ओ पुल कमलाके बाढि़मे केना भथा गेल छै ओ चित्रमे देखल जासकैए ।

मिथिलाकेँ लोकजीवनमे कमला नदीके पवित्र धारके रुपमे लेल जाइत छै । कमला मायके रुपमे जानल जाइत छै । साँस्कृतिक जीवन पद्धति कमलास’ मिथिलाबासीकेँ जुड़ैत छै । अध्यात्मिक शक्तिक श्रोत सेहो मानल जाइत छै ।

ओ कमला धनुषा एवं सिरहा जिलाके सीमाके रुपमे सेहो छै । दूनु जिलाकेँ लोकके आब जाए लेल सहजता होए आ समय कम लागे ताहि लेल दशकोस’ कमला धारमे हुलाकी राजमार्ग अधिन पुल बनाओल जाएके माग सर्वसाधारणस’ उठैत रहल ।

संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र देश नेपाल कायम भेला पछाइत पुल निर्माणके काज आगु ससरल । जनकपुरधामस’ पुरुब २८ किलोमीटर धनुषाकेँ चिकना एवं सिरहाकेँ बसपीट्टा गाम लग स’ कमला धारमे पुल निर्माण भरहल छल ।

चारिआना हिस्सामे पुल बैनक तयार भगेल छल । मुदा एम्हर किछु दिनस’ बरसैत वर्षाके कारण कमलाके जलस्तरमे ब्यापक बृद्धि भेल     छै । जाहि ओजहस’ जे जतेक भाग बनल छल ओ पुल बीच्चेमे धैसक भथाएल छै ।

बिशाल जलधारा आ बहाबबाला नदिमे पकिया पुल बनाएब, गुणस्तरीय पुल निर्माण करब एहन काज हुअ चाहैत छल । मुदा भेल छै गड़बडि़या काज तैँ पुल टुइटक बीचमे लीबल आ मूँहे भरे खसल छै । कल्पणा कएल जाए, जौं पुल पर आबा जाहि जारी रहित तखन केहन दुर्घटना हुअ सकैत छल ।

पुल भसैकक भथला पर सिरहा जिलाके सिडियो प्रदीपराज कनेल पुलके स्थलगत निरिक्षण सेहो कएने छैथ । हुनका संगे शसस्त्र प्रहरी , नेपाल प्रहरी सहितके सुरक्षा अङ्गके प्रमुखसभ निरिक्षणमे छलाह । चित्रश्रोत सामाजिक सञ्जाल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
शरनार्थी प्रकरणमे हजसमिति अध्यक्ष मीयाँ सहित १४ धराएल
२०८० जेष्ठ ४, बिहीबार १४:२७
सीमाञ्चल समदिया
धनुषा प्रहरी चोरनराह गिरोहके पकरलक
२०७९ फाल्गुन २०, शनिबार १८:०६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
हत्याआरोपमे सनायल संसद महतो पर कार्यवाही हेतु गृह कटलक पत्र
२०७९ माघ ६, शुक्रबार २२:३३
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया