लुक्का लेशक जसपाके मशाल जुलुस

२०७७ माघ २८, बुधबार १५:३१
सीमाञ्चल समदिया

  • 4
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम  । जनता समाजवादी पार्टी नेपालव्दारा पुर्व निर्धारित बिरोधात्मक कार्यक्रम अनुसार बुधदिन मिथिला नगरि जनकपुरधाममे टायरमे लुक्का लेशक मशाल जुलुस प्रदर्शन सम्पन्न कएलगेल छै ।

प्रधानमन्त्री के.पी. शर्मा ओलीव्दारा कएलगेल प्रतिनिधिसभा बिघटन जेहन असंवैधानिक एवं अलोकतान्त्रिक कार्यकेँ घोर बिरोध करैत निरन्तर जनता समाजवादी पार्टी नेपाल सेहो बिरोध कार्यक्रमसभ करैत आएल छै । ओहि बिरोधात्मक कार्यक्रम अन्तर्गत सांझुक पहर नगरमे लुक्का लेशक मशाल जुलुश कएल गेल छै ।

जनकपुरधामके रेलवे टीशनस’ शुरु कएलगेल जुलुस भानुचौक, शीवचौक होइत जनकचौकमे आइबक समापन कएलगेल छल । जनक चौकमे कोणसभामे परिणत भेल जुलुसकेँ जसपा नेपाल धनुषा जिला अध्यक्षद्वय पशुपति यादव, प्रमोद यादव संगौलके नेतृत्वमे भेल । जाहिमे जसपा सम्बद्ध केन्द्रिय सदस्य, प्रदेश सदस्य एवं पालिका सदस्यसभ सहित स्थानीय नेता तथा कर्याकर्तासभ सामेल छल ओ जनतब पार्टीस’ सम्बद्ध दीपु कापर देलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
नवपरिवर्तनकारी पक्षधर दलके नेतासभ नेपालीके दर्शन कएलाह
२०८० बैशाख ३१, आईतवार १६:५९
सीमाञ्चल समदिया
अमर शहिद झाके शालिक खाड़ करब हेतु स्मारक निर्माण शुरु
२०७९ माघ १५, आईतवार २२:१४
सीमाञ्चल समदिया
तीनमन्त्री सहित मुख्यमन्त्री यादव सपथ खयलाह
२०७९ पुष २९, शुक्रबार २१:४४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
जसपा नेपालके संसदीय दलके नेता चयन
२०७९ पुष २५, सोमबार १६:०२
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal
भाषा विवादमे दुरजरु होइत डा.सी.के.राउत
२०७९ पुष १३, बुधबार २२:०८
सीमाञ्चल समदिया
धनुषा ३मे, ६.३० बजेके टटका मत परिनाम ।
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १९:१३
सीमाञ्चल समदिया