लाखोमोल बराबरके बरकुर्वा माविके जग्गह, गाछ चोरदोगाठी दने बिक्रीकर्ता प्रअके पोल खुजल

२०७८ चैत्र १२, शनिबार १६:३६
सीमाञ्चल समदिया

  • 3
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके पूर्वी-उत्तरीक्षेत्रमे सबैला नग्र पालिका अन्तर्गत अवस्थित फकीरचन्द माध्यमिक विद्यालयमे गैर कानुनी रुपमे विद्यालयके बेसकीमती जग्गह कौड़ीके मोलमे बेचब काज भरहल पोल खोललगेल छै ।

जानकि निवास स्थित विद्यालयमे नाममे रहल १२ बिग्घा जग्गह दू दशक पहिने स्व. दिप नारायण साहके दश वर्ष हेतु भाड़ामे ईटा भठ्ठा संचालनार्थ देलगेल छल । फेर ओहे जग्गहम विद्यालयके पूर्व प्रधानाध्यापक बेचन साहके कार्यकालमे ‘जनप्रेरणा केन्द्र’ नामक एकटा गैर सरकारी संस्थाके भाड़ामे देलगेल ।

२०६५ सालमे देलगेल भाड़ादारी भूमिमे विभिन्न जातिके हजार जतेक गाछके रोपेब काज भेल छल । भेटल जनतब अनुसार समुदायके सहभागितामे बृक्षरोपन कएलगेल छल ।

“जानकी वन उपभोक्ता समिति” गठन क’क’ वन संरक्षणके जिम्मेवारी देलगेल छल । मुदा गाछ नम्हर भेला पर काइटक बेचब कालमे ६०/४०के फांटबारी करए पड़ल ।

सहमति अनुसार ६० प्रतिशत स्कूल एवं ४० प्रतिशत उपभोक्ता समिति उब्जल वनस’ उत्पादित गाछ-काठ-लकड़ी लेत एहन दूपक्षीय सहमतिय निणर्य कएलगेल छल । एम्हर आइब नियोजित एवं षडयन्त्रकारी खेल भेल पोल सुच्चा समाज सुधारक लोक खोललाह ।

विद्यालयके आधिकारीक ब्यक्ति प्रधान अध्यापक बैजु साह अपन मनपर्दी जालसाजी काज करैत पूर्व सहमतिके लतियाबैत ६-७ लाख टाकाके सम्झौता कागज बनाक एवं ४-५ लाख थप रकम चोरदोगाठी माहे ल’क’ गैरकानुनी तरिकास’ सबटा गाछ विक्रि कएलाह ओ आरोप हुनका पर लगाओल गेल छै ।

वन उपभोक्ता समिति, विद्यालय व्यवस्थापन समिति समेतस’ सम्बद्ध एवं वडासमिति सदस्य सेहो रहल संजय देवी पासमान गाछ काइट-काइटक ढोआनी रोकब लेल प्रयास कएला पर रहस्य खुजल ।

ठेकदार एवं बैजु साह बिचके फोन सम्वाद सुनला पछाइत आर्थिक अनियमीतता भेल भान भेल । जाहि बातके तत्काले सबैला नगर पालिकाके मेयरके जनतब देल गेल ।

मेयर प्रहरी मार्फत ठेकदारके पकरबाक अनला पर भितरे भितरे लेनी देनी क’क’ विद्यालयके लाखोके सम्पति हजारोमे बेचने रहस्य खुजल छै । उक्त घटना सम्बन्धमे मौखिक रुपमे नगर प्रमुख बिजयशंकर प्रसाद साह समेत पुछताछ कएला पर हम गाछबृक्ष नइ बेचने छी, कहुँ सञ्जय देवी बेचने होएत, प्रधान अध्यापक बैजु साह सफाइ दैत भ्रमाबके काज कएलाह ।

अन्नततः समितिद्वारा लिखितरुपमे तीनदिने स्पष्टिकरण पुछला पर उतारामे प्रधान अध्यापक साह उल्लेखित १२ विगहा जग्गह वरकुर्वा विद्यालयके नाममे दर्ता नइ रहल कहैत जनतब करौलक ।

तेकराबाद समाज सुधारक विनोद पास सहितककेँ लोक खोज तलासकरैत सभ प्रमाणसभ जुटाक थप रहस्य उजागर करब काज कएलाह । बैजु साह विद्यालयके जग्गह आपसी मीलीभगतमे वर्दिवासके एकटा व्यापारीसंगे मोटाउ रकम ल’क’ ९९वर्षके लेल भाड़ामे दिअके चुपगन्ति सहमति कएने रहस्य सेहो उजागर भेल छै ।

एहन कुकृत्य कएला पर ओहिक्षेत्रके संघीय संसद, प्रदेश सांसद, नगर प्रमुख, विद्यालयके दाता परिवार, समाजके अगुवा, बुद्धिजीवी व्यक्तित्वसभकेँ सत्यके पक्षमे स्वरु बूलन्त करबलेल एवं विद्यालयके प्रअ बैजु साह पर उचित कारवाहीके मांग कएलगेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
बीपीके पुण्यतिथिमे शैक्षिक सामग्री, पोषण आहार वितरण
२०८० श्रावण ७, आईतवार १०:०७
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
शरनार्थी प्रकरणमे हजसमिति अध्यक्ष मीयाँ सहित १४ धराएल
२०८० जेष्ठ ४, बिहीबार १४:२७
सीमाञ्चल समदिया
धनुषा प्रहरी चोरनराह गिरोहके पकरलक
२०७९ फाल्गुन २०, शनिबार १८:०६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
हत्याआरोपमे सनायल संसद महतो पर कार्यवाही हेतु गृह कटलक पत्र
२०७९ माघ ६, शुक्रबार २२:३३
सीमाञ्चल समदिया
पुस्तकप्रति जन-जागरुकता बढाबलेल प्रदर्शनी
२०७९ पुष १९, मंगलवार २१:२१
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया