लाइनमे बालिका-आँइख चोन्हराबैत प्लेकार्ड उठाबैत

२०७७ आश्विन २५, आईतवार १५:४०
सीमाञ्चल समदिया

  • 46
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । अन्तर राष्ट्रिय बालबालिका दिवसके अवसरमे  मिथिला नगरि जनकपुरधाममे सद्भावपूर्ण प्रभातफेरीकेँ कार्यक्रम कएल गेल । बालिकासभकेँ हेंज लाइनस’ लगाक उत्सवी प्रभात फेरी कएलगेल छै । जकर आयोजनकर्ता महिला बाल बालिका आ मानव अधिकारके क्षेत्रमे कार्यरत संघ संस्थासभ छल ।

रविदिन कएलगेल प्रभातः फेरीके क्रममे बालिकासभकेँ प्लेकार्ड धराक जनकपुरधामके विभिन्न भागमे परिक्रमा करबैत जानकी मन्दिरके परिसरमे सेहो सहभागिसभकेँ टहलान बुलान कराओल गेल । महिला, बालबालिका, मानवअधिकारके क्षेत्रमे समेत क्रियाशिल स्वयंसेवी संस्था ओरेक नेपाल, कायापल्ट, एमनेष्टी इन्टरनेशनल, एडभोकेसी फोरम सहितके संघ संस्थासभकेँ तत्वाधानमे एवं अइ संस्थासभकेँ अगुवासभकेँ अगुवाइमे कार्यक्रम सम्मपन्न कएलगेल, जनतब भेटल ।

कहलगेल अनुसार महिला, बालबालिका, मानवअधिकारकर्मी, सामाजिक अभियन्तासभ सम्मिलित सद्भावपूर्ण प्रभातफेरी नगर घुमान पछाइत जानकी मंदिर परिसरमे आइबक समापन कएल गेल ।
आइ रवि दिन कनेक रौद बेसी कड़गर छलहे । तेहनमे जानकी मन्दिर परिसरके तपत मार्बल-फर्श पर, आँइख चोन्हराबैत टल्कैत पर्श पर बालिका सभकेँ प्लेकार्ड धराक,मूँहमे मास्क लगबाक टहलाओल गेल ।

कोरोना महामारीके वर्तमान समयमे समाजिक दूरीके छुर्री कएल गेल । मात्र मास्क लगौने कि होएत । ओहो ओइ संघ संस्थाद्वारा जे स्वयं चेतनाके प्रकाश फैलाबके, लोककेँ अधिकार बोध कराबके आ अधिकारके लेल लड़-लड़ाब, बाजब-बजबाएब बोध करबैत छै । ओहन संस्था स्वास्थ्यके जोखिममे राइखक एहन मजमा युक्त जुलुस करबैत छै । चाहे ओकर नाम सद्भाव प्रभात फेरी देल जाए अथवा आन जे से !

भेल त’ भीड़-भड़क्काबाला कार्यक्रम नइ ! बाहेरे अधिकारवादीसभ । कनिको त’ बिचार करितौं । दिवस मनाब लेल आन तरहके कार्यक्रम कएल जासकैत छलैक ओइ दिस पहल हुअ चाही । प्रकृति एना नइ करए मुदा काइल्ह सहभागी मादे कोनो बालिका संक्रमीत ठहरै छै, किछु होइत छै ओकर जवाबदेह के लेत ?
                                                चित्रश्रोत ः दिपेन्द्रप्रसाद सिंह

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
पाँच वर्षमे नइ कएल काज हम दूवर्षमे पुरा कएलःअरगडिया बजलाह
२०७९ कार्तिक २६, शनिबार ०९:५६
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
काँच करचीस’ स्वागत करैत भोंट
२०७९ आश्विन २९, शनिबार १७:३६
सीमाञ्चल समदिया