सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके लक्ष्मीनियाँ गाउँ पालिका अन्तर्गत स्वास्थ्य केन्द्र स्थापना कएलगेल छै । जनकपुरधामस’ सटले उत्तरवारीकात उक्त गा.पा.के वार्ड नं.५,भङ्गहा टोलमे नवका स्वास्थ्य केन्द्र स्थापना कएलगेल छै ।
नवका स्वास्थ्य केन्द्रके उद्घाटन फिता काइटक गा.पा.अध्यक्ष बिन्देश्वर यादव एकटा समारोहबीच मङ्गलदिन दुपहरियामे कएलाह । कोरोना महामारीकेँ बन्दाबन्दीकेँ समयमे जनताकेँ स्वास्थ्य अवस्थामे दिक्कदारी नइ होइ ओ मनसायस’ नवस्वास्थ्य केन्द्र खोलल गेल जनतब वार्ड अध्यक्ष फुलगेन यादव देलाह ।
वार्डस’ हुअबाला जन सरोकारी काज बृहस्पति आ शुक्रके स्वास्थे केन्द्रस होएत तेहन व्यवस्थापन कएलगेल जनतब सेहो सीमाञ्चल समदियाके देलगेल छै । जनताके बरोबर उपराग सुनैत आएल लक्ष्मीनियाँ गा.पा.केँ जनप्रतिनिधिसभ नव केन्द्र खोइलक सुरखुरु कहाए चाहलक अइ ।
जनताकेँ सहज स्वास्थ्य सुविधा प्रदान करब कराएब लेल एकटा नव केन्द्र खोइलक सेवा दिअकेँ बचनबद्धता अपन संक्षिप्त मनतव्यमे गा.पा. अध्यक्ष बिन्देश्वर यादव कएलाह । कार्यक्रममे स्वास्थ्य केन्द्र, गा.पा.कर्मचारीसब, पदाधिकारी सदस्यसभकेँ सहभागिता छल ।
प्रतिक्रिया