रौदिया अवस्थामे धान दिवस

२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
रौदिया अवस्थामे धान दिवस

  • 6
    Shares

जनकपुरधाम । अषाढ़-१५गते नेपाल भैरमे धान रोपाई दिवस मनाओल जाइत छै । अहूबेर ई दिवस मनाओल गेल छै । देशके भौगौलिक बनाबट एहन छै, जे सभतर एक तरहक मौशम, हबा-पानि नइ रहैत छै ।

 

तराईक्षेत्रमे एहिबेर पानि शुरुएस’ नइ पड़लापर कृषक वर्ग बिछनधैर नइ उगाब सकल छै । तेहनमे रोपनिी की करत !तैँ एहन दिवस एक्कहि समयमे मनाएबके औचित्य की ? एहि पर विचार कएल जाए चाही ।

 

कृषिजन्य उत्पादन हेतु कृषकके समय पर मलरतराईक्षेत्रमे एहिबेर पानि शुरुएस’ नइ पड़ला पर कृषक वर्ग बिछनधैर नइ उगाब सकल छै । तेहनमे रोपनी की करत !

 

कृषककेँ मल-खाइध, सिंचाई सुविधा समय पर चाही । तखन नइ खेति सपरत आ कृषिजन्य उत्पादनमे आत्म निर्भर देश बनत । ओहिदिस संघीय सरकार, प्रदेश सरकार वा स्थानीय सरकार किनको कोनो सोकजगर प्रयास नइ देखल जारहल छै मात्र बोली बाहेक ।

 

एहनमे मूलरुपस’ अन्नके भण्डार मानल जायबाला तराईक्षेत्रमे वर्षा नइ भेलास’ रौदीके प्रवल सम्भावना बनल देखाइत छै । ओहिके उपाय बात करब चाही सत्ताधारी तिनु सरकारके मुदा ओ नइ क’क’ मन्त्री, सन्त्री, कर्मचारीअ ादिके बजाक धनरोपनी विधि पुरा क’क’ बजेट स्वाह करबकेँ कोनो तुक नइ ।

 

कृषि-धानके उत्पादने नइ होएत । रौदिए पैरके, तखन धान रोइपक दिवस मनाक धान उत्पादन भजाएत ? ई सोंचब आवश्यक छै । कृष उत्पादन बृद्धि हेतु कृषकके आवश्यउक परबाला हरेक सामग्रीके सहजतास’ उपलब्धद्धता कराओल जाय चाही ।

 

धान रोपाइ दिवसके तराइमे सार्थकता होएत । मात्र सख देखाउंसे रौदियोमे धान रोपिक लोककेँ अन्हारमे धरब काज धोखाधरी छै । भ्रमित करब काज छै ई बुझल जाए चाही । फोटोश्रोतःअवधेश कामत

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया
बलिप्रथा उन्मूलन पर जनकपुरधाममे बृहत् अन्तरकृया
२०७९ आश्विन १५, शनिबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal.com
मिथिला चित्रकलाको विशेषता
२०७९ भाद्र ३०, बिहीबार २३:५९
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
भूमिहीन नेपालीलेल भूमि व्यवस्थापन पर अन्तरकृया
२०७९ भाद्र ८, बुधबार १९:४२
सीमाञ्चल समदिया
By-simanchal.com
जनकपुरधाम वार्ड नं.१२मे दू बिघा क्षेत्रफलमे गौशाला निर्माण शुरु
२०७९ श्रावण २६, बिहीबार १४:०१
सीमाञ्चल समदिया