सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । प्रदेश-२ अन्तर्गत रौतहट जिलाके गरुडा नगरपालिकामे फेरस’ प्रहरी हाजतमे रहल एकटा महिलाकेँ रहस्यमय रुपमे मृत्यु भेल छै । इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडामे प्रहरीके महिलासेल हजात(हिरासत)मे बन्न रहल महिलाकेँ मृत्यु भेल छै ।
भेटल जनतब अनुसार रौतहट जिलाके गुजरा नगरपालिका वार्ड नं.२ कटानी बजार निवासी राधिका राउत नामक महिलाके मृत्यु भेल छै । स्थानीय कटानी बजारके एकटा युवक संगे राधिकाकेँ सम्बन्ध छल । अनैतिक सम्बन्ध रखने अवस्थामे हुनक श्रीमान् सुमन राउत स्वयं राधिकाकेँ पकैरक बुधदिन बेरियामे राधिकाकेँ वार्ड अध्यक्षके ‘रोहवर’मे प्रहरीकेँ जिम्मा लगौने छल ।
ईप्रका गरुडाके महिला सेल अन्तर्गतकेँ हाजतमे राधिकाकेँ राखलगेल छल । बृहस्पति दिन भोरे प्रहरी हाजत (थुनुवा)कक्षमे राधिका मरल सुतल भेटलीह । राधिकाके मरल देखला पछाइत महिलासेलके सुरक्षाकर्मी प्रहरीके खबर कएने छल । मृतक महिलाके सम्बन्धमे विषेष अनुसंधान कएल जारहल छै । जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटकेँ डिएसपी भरत श्रेष्ठ सञ्चारकर्मीकेँ जनतब देने छै । मृतक महिलाकेँ श्रीमान् अपनो मीर्गीरोगस’ राधिका ग्रसित छै , उपचारो कराक दबाई खा रहल छै, ।
पर पुरुष संगे अनैतिक सम्बन्ध राखैत आएल आरोपमे महिलाकेँ प्रहरी हाजतमे राखल गेल छल । समाजक लोक द्वारा इहो कहल जाइत छै । श्रीमान्स’ कोटा पुरा नइ होइत छलै जाहि कारण दैहिक भूख मेटाब लेल नारी बेचारी की करतीह….! एहन चर्चा कटानी बजारमे पसरल छै । आब रहल प्रहरीके महिला सेलमे महिलाकेँ मरब कतहु लोक सुरक्षित नइ छै !
स्मरनीय तथ्य ई छै-‘ किछुए हप्ता पहिने रौतहट जिलाके गरुडा स्थित इप्रकामे ‘कत्र्तव्य ज्यान मुद्दा’मे प्रहरी हाजथमे राखलगेल दलित युवक विजय रामकेँ प्रहरी यातनाके कारण मृत्यु भेल छल । जकर जब्बरदस्त प्रतिकार आ बिरोध भेल । सरकार छानविन समिति गठन कएलक । एसपी,डिएसपी सहितक प्रहरी कर्मचारी निलम्बित भेल, कार्यवाही प्रकृया अखनो जारीए छै ।
आब राधिकाकेँ ओहने यातनाके कारण मरल आकि आओर किछु ओ अनुसंधान वादे रहस्य खुजत । अखनुधैर मात्र एतेक जनतब भेटल अइ जे राधिका मीर्गीया छलीह । दबाई खायी छलीह आ मीर्गीएस’ मैरगेल होएतीह । अखनु एहन अन्देशा -अनुमान लगाओल गेल छै ।
प्रतिक्रिया